भरतपुर १९ मे २० गते निर्वाचन, आयसँ मौन अवधि सुरु

0

श्रावण १८ गते,भरतपुर महानगरपालिका १९ मे याह् साउन २० गते पुनः मतदान होबके भेलअछि । मंगलदिन बैसल सर्वदलीय बैसारसँ एहन सहमति कएने मुख्य निर्वाचन कार्यालय चितवन जनौलकअछि ।
कार्यालयके सहायक मतदान अधिकृत गम्भीर घिमिरेके अनुसार निर्वाचनके आय बुधदिनसँ मौन अवधि सुरु भेलअछि । निर्वाचनक लेल आवश्यक जनशक्ति तयार रहल ओ जानकारी करौलनिअछि ।
गत वैशाख ३१ गते भेल निर्वाचनक मतगणना जारी रहल बेर जेठ १४ गते राति मतपत्र फार्लाकऽबाद ओतके मतगणना स्थगित भेलछल । सर्वोच्च अदालत भरतपुर महानगरपालिका १९मे पुनः मतदान करपर्वाक निर्वाचन आयोग देने निर्णयके सदर करति रबिदिन फैसला कएनेछल । सोमदिन निर्वाचन आयोग मुख्य निर्वाचन अधिकृतके वडा नम्बर १९ के सम्पूर्ण मतदान केन्द्रके मतदान रद्द कऽ पुनः मतदानक लेल यथाशीघ्र मिति तोकके निर्देशन देनेछल ।

Share.

Leave A Reply