भरतपुर १९ मे निर्वाचन तयारी पूरा, एक सय मिटर आसपास निषेधित क्षेत्र घोषणा

0

श्रावण १९ गते,भरतपुर महानगरपालिका वडा नं. १९ मे (शुक्रदिन) होबबला पुनः मतदानके तयारी पूरा भेलअछि ।
मतदान अधिकृत सहित ३६ गोटे कर्मचारी खटिचुकलअछि तँ मतपत्र लगायत निर्वाचन सामाग्री सेहो पहुचाबि चुकलअछि । मतदानस्थलमे पानी नै पैसजका टेण्टके समेत व्यवस्था कएलगेलअछि ।
मतदान स्थलके सुरक्षा व्यवस्था सेहो कडा बनौनेअछि । मतदानस्थलके १०० मिटर आसपास निषेधित क्षेत्र घोषणा कएने सहायक निर्वाचन अधिकृत गम्भीर घिमिरे बतौलनिअछि ।
बितलराती आएल भू स्खलनके कारण नारायणगढ मुग्लिन सडकखण्ड अबरुद्ध बन्लाकऽबाद काठमाडौं लगायत अन्य स्थानसँ आबबला मतदातासभके समस्या परलअछि । लम्बा समय पानी नै परलाक कारण रोपाइँ कऽर नै पओने किसानसभ बितल रातिसँ अबिरल वर्षा भेलाकऽबाद धान रोपमे व्यस्त अछि।
भरतपुर १९ के तीनटा मतदानस्थलमे ६ टा मतदान केन्द्र रहलअछि । किरण मावि, किरणगञ्ज मतदानस्थलमे एक हजार २ सय ४८, जीवनज्योति स्कूल गुञ्जानगरमे एक हजार ३ सय ६ आ शारदानगर माविमे एक हजार २ सय ४३ कऽ कुल तीन हजार ७ सय ९७ मतदाता रहलअछि ।
शारदानगर माविमे गंगाधर रिमाल आ रामकृष्ण सिम्खडा, किरणगञ्जमे ज्ञानहरि पौडेल आ शिवराज पन्थी, जीवनज्योति माविमे भक्तबहादुर सेन्चुरी आ नारायण पौडेलके मतदान अधिकृत तोक्नेअछि ।
निर्वाचनके भयरहित बनाब सुरक्षा व्यवस्था मजबुत बनौने जिल्ला प्रहरी कार्यालय चितवन जनौलकअछि । प्रहरी नायव उपरीक्षक (डिएसपी) नेतृत्वक नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी, नेपाली सेनाके मोबाइल टोली समेतके खटाओलगेलअछि । सब मतदान केन्द्रसभमे ३५ गोटे नेपाल प्रहरी, ओतव्याह् मात्रामे सशस्त्र प्रहरी आ नेपाली सेनाके खटाओलऽगेलअछि ।
मौन अवधि सुरू भेलाकऽबाद अय बिचमे होबऽ सक्वाक संभावित घटनासभके मध्यनजर करति सुरक्षा अवस्था मजबुत बनौने प्रमुख जिल्ला अधिकारी नारायण प्रसाद भट्ट जानकारी करौलनिअछि । सुरक्षा संयन्त्रके प्रमुख ध्यान भरतपुर १९ मे पर्लासँ अय अवधिमे कोनो भिऽ अप्रिय घटना होबऽ नै देबके विश्वास ओ करौलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply