भरतपुर महानगरपालिकामे मतगणना जारी

0

जेठ १ गते, भिन्सरेसँ विवादक कारण मतगणना होबऽ नै सकल चितवनके भरतपुर महानगरपालिकामे मतगणना सुरु भेलअछि ।
भरतपुरके कर्भड हलमे महानगरपालिकाके वडा नम्बर १ रामनगर क्षेत्रसँ मतगणना सुरु कएलगेलअछि ।
भरतपुर महानगरपालिकामे प्रधानमन्त्री प्रचण्ड पुत्री रेणु दाहालके मेयरमे कांग्रेस समर्थन कएलाक कारण सर्वाधिक चर्चामा रहलअछि । हुनका एमालेके उम्मेदवार देवी ज्ञवाली टक्कर दऽरहलअछि ।
मुचुल्का क्रममे रुजु कएने टिपोटके मतलब नै कऽ खसल मत जतेकके निर्विवाद ढंगसँ गणना कऽर प्रमुख निर्वाचन अधिकृत कवि प्रसाद न्यौपाने दलसभके दबाव देलाकबाद मतगणना सुरु कऽर ढिलाइ भेलछल ।
दलसभ मतदातासँ बेसी मत कोनो मतपेटिकामे भेटल तँ मान्य नै होबके अडान लेनेछल । दुपहर २ बजेकेबाद बैसल बैसारमे प्रमुख निर्वाचन अधिकृत प्रचलित कानुन बमोजिम मत गणना कऽर तयार भेलाकबाद कहुना मतगणना सुरु कएलगेलअछि ।
अयसँ आगा सर्वदलीय बैसारमे माओवादी केन्द्रक प्रतिनिधिसभ हँसिया हथौडी चिह्नके साथे गाछ चिह्नमे आएल मत सेहो अपन पक्षमे गणना होबपर्वाक माग रख्नेछल ।

Share.

Leave A Reply