भरतपुरमे साउन २० गते चुनाव ह्यात

0

श्रावण १७ गते,चितवनके भरतपुर महानगरपालिकाके १९ नम्बर वडामे याह् साउन २० गते मतदान होबके भेलअछि । भरतपुरमे मंगलदिन बैसल सर्वपक्षीय बैसारसँ २० गते चुनाव कर्वाक निर्णय कएने नेपाली कांग्रेसक चितवन जिल्ला सभापति जितनारायण श्रेष्ठ जानकारी देलनिअछि ।
निर्वाचन आयोग भरतपुर महानगरपालिका वडा नम्बर १९ मे चुनावक मिति तय कऽर सोमदिन मात्र चितवनके मुख्य निर्वाचन अधिकृत कविप्रसाद न्यौपानेके निर्देशन देनेछल । ओय निर्देशन अनुसार चितवनके मुख्य निर्वाचन अधिकृत न्यौपाने मंगलदिन सर्वपक्षीय बैसार आह्वान कऽक चुनावके मिति तोक्लनिअछि ।
१९ नम्बर वडामे अपनेसभ सोचल जतेक मत नै अएलाकऽबाद माओवादी केन्द्रके प्रतिनिधिसभ मतपत्र फार्नेछल । ओकरबाद निर्वाचन आयोग ओतँ पुनः चुनाव कर्वाक निर्णय कएनेछल । पुनः चुनाव कर्वाक निर्णयविरुद्ध परल मुद्दामे सुनुवाई करति सर्वोच्च अदालत भरतपुरके १९ नम्बर वडामे पुनः मतदान कर्वाक निर्वाचन आयोगके निर्णयके सदर कएलाकऽबाद ओतँ २० गते चुनाव होबऽलागलअछि ।

Share.

Leave A Reply