बेपत्ता प्रहरी खोज्वाकलेल पाँच टोली परिचालन, कुकुरके सेहो प्रयोग कएलगेल

0

अषाढ ११ गते,चितवनके इच्छाकामना गाउँपालिका वडा नं ६ स्थित कालीखोलामे शुक्रदिन भिन्सर भू स्खलनसँ दहाक बेपत्ता भेल दु गोटे प्रहरी आ प्रहरीके भ्यान खोजऽ जिल्लाके सब सुरक्षा निकायके पाँचटा टोली परिचालन भेलछअछि ।
दुटा कुकुर सहित पाँचटा टोलीमे १५० सँ बेसी सुरक्षाकर्मी परिचालन कएने चितवनके प्रहरी प्रमुख तथा प्रहरी उपरीक्षक दीपक थापा जानकारी देलनिअछि ।
ओे बाहर भू स्खलनमे झपाएल अवस्थाके खोजीके लेल कुकुर सहितक टोली परिचालन कएने आ अन्य विभिन्न क्षेत्रमे खोजीके लेल अलग अलग समूह परिचालन कएलगेल थापा जानकारी देलनिअछि । नावके प्रयोग सेहो कएने मुद्दा नदीमे पानी बढ्वाक क्रममे रहल हुनक कहब अछि ।
हुनक अनुसार जिल्ला प्रहरी कार्यालय, रसौलीमे रहल सेनाके विपद् व्यवस्थापन गण, द फेमस दल गण, भरतपुरके नारायणी मनिटरिङ प्याट्रोलिङ समूह, कुरिनटार स्थित सशस्त्र प्रहरीके विपद् व्यवस्थापन समूह तथा कुकुर सहितक टोली परिचालन कएलगेलअछि । अखनधरि प्रहरीके अवस्था पत्ता लाग नै सकल प्रहरी जनौलकअछि ।
इलाका प्रहरी कार्यालय, मुग्लिनसँ प्रहरी सहायक निरीक्षक निश्चल कुमार तामाङके नेतृत्वमे भू स्खलनसँ बचाक घुरतिकाल ना १ झ १३९० नंके प्रहरी सहितके भ्यान शुक्रदिन भिन्सर १ बाजिक ५ मिनेटके समयमे कालीखोला नजदिक उपरसँ खसल भू स्खलन दहौनेछल ।
खोजतलासक क्रममे प्रहरी सहायक निरीक्षक निश्चल कुमार तामाङ आ प्रहरी जवान दीपक कुमार मास्केके शव नदी किनारमे झपाएल अवस्थामे भेटौलाकऽबादो प्रहरी भ्यानसहित प्रहरी जवान लील बहादुर चेपाङ आ सन्दीप कार्कीके पता लगाब नै सकलअछि ।
साथे दहाएल ना ५ ख ७८२७ नंके ट्रक भिरमे अड्कल अवस्थामे अछि । ओय ट्रकके चालक राम कुमार लामाके अनुसार प्रहरीके गाडी नदीम गेलअछि ।
प्रहरी गाडी नदीमे खसल प्रारम्भिक अनुमान कएलाकऽबादो अखनो यकिन कऽर नै सकल प्रहरी जनौलकअछि । यी पाँच टोलीके अनुसन्धानसँ किछ पत्ता लाग नै सकल तँ गोताखोर टोली मगैवाक चितवन प्रहरी जनौलकअछि ।

Share.

Leave A Reply