बारामे बस दुर्घटना, गर्भवती सहित दु गोटेके मृत्यु, तहिना काठमाडौंके बानियाटारमे ट्रकके ठक्करसँ उपसचिवके भेल मृत्यु

0

जेठ ६ गते, बाराके हेटौडा–पथलैया सडकके आदाभार जंगलमे बस दुर्घटना भेलासँ गर्भवती सहित दु गोटेके जान गेलअछि तँ २० गोटे घाहिल भेलअछि ।
काठमाडौसँ जनकपुरक लेल छुटल ना ७ ख १६४१ नम्बरक बस शनिदिन भिन्सर ५ बजेदिस पल्टल इलाका प्रहरी कार्यालय सीमरा जनौलकअछि ।
दुर्घटनामे जान गुमौने धनुषाके रामपट्टी सिर्सियाके २५ वर्षके किरण साह आ महोत्तरीके रतौली–६ के बल्ला यादव रहलअछि।
दुर्घटनामे गम्भीर घाहिल विरगन्जके नारायणी उपक्षेत्रीय अस्पताल आ विरगन्ज हेल्थ केयरमे उपचार भऽहलअछि । ५ गोटेके अवस्था गम्भीर रहल प्रहरी जनौलकअछि । चालकके नियन्त्रणमे लेलगेलअछि ।
अहिना काठमाडौंके बानियाँटारमे ट्रकके ठक्करसँ सहरी विकास वोर्डके उपसचिव ऋषिराम पण्डितके मृत्यु भेलअछि ।
शनिदिन भिन्सर पौने ५ बजे बा २ ख ५७३० नम्बरके ट्रक पण्डितके ठक्कर देनेछल । हुनक घटनास्थलेमे मृत्यु भेल प्रहरी जनौलकअछि ।
तनहुँके व्यास नगरपालिका ९ स्थायी घर भेल पण्डित काठमाडौंके टोखामे बैसति आएलछल ।
पिपरके गाछमे जल चढाबके कहिक गेल शनिदिन भिन्सर कनियासाथे निक्लल बेर हुनका ट्रक ठक्कर देनेछल । भुइँमे खसल पण्डितके कनियाँ बचाब खोज्लाकऽबादो ट्रक चालक व्याक कऽक पिचने प्रत्यक्षदर्शीसभ बतौलकअछि ।
ट्रकसहित चालकके महानगरीय प्रहरी वृत्त बालाजु नियन्त्रणमे लेलकअछि ।
तहिना भक्तपुरके ताथलीमे सेहो गाडीके ठक्करसँ एक पैदलयात्रीके मृत्यु भेलअछि । शनिदिन भिन्सर पौने १२ बजेदिस अनटेष्ट लिखल जेसीबीके ठक्करसँ गुल्मी घर भेल हनुमान ईंटा कारखानामे बैसति आएल ३० वर्षीय गौतम विकके मृत्यु भेलअछि ।
ओकर उपचारक क्रममे युवा मोरा अस्पताल भक्तपुरमे मृत्यु भेल प्रहरी जनौलकअछि ।
सवारी साधनसहित चालकके महानगरीय प्रहरी वृत्त जगाती नियन्त्रणमे लेलकअछि ।

Share.

Leave A Reply