बस आ ट्रक आपसमे ठोक्कैलासँ दुनु गाडी चालक सहित ३१ गोटे घाहिल

0

अषाढ ३१ गते,पृथ्वी राजमार्ग अन्र्तगत धादिङके जोगीमारा स्थित खटौटीमे यात्रुबस आ ट्रक आपसमे ठोक्कैलासँ दुनु गाडीके चालकसहित ३१ गेटे घाहिल भेलअछि ।
महोत्तरीसँ काठमाडौं जायतकाल ना ५ ख ५०२ नम्बरके यात्रुबस आ विपरित दिशासँ अबतिकाल ना ६ ख १२४ नम्बरके ट्रक धादिङके बेनिघाट रोराङ गाउँपालिका वडा नं. ९ स्थित खटौटी पुल नजदिक ठोक्काएलअछि ।
शनिदिन भिन्सर करिब साढे ६ बजे भेल दुर्घटनामे बस आ ट्रक दुनु सवारीके चालक सहित ३१ गेटे घाहिल भेल इलाका प्रहरी कार्यालय गजुरीके प्रहरी निरिक्षक बरुण बहादुर सिंह जानकारी करौलनिअछि ।
गम्भीर घाहिल ३ गोटेके उपचारक लेल काठमाडौं पठाओलगेलअछि तँ अन्य घाहिलसभके मलेखु स्थित सामुदायिक अस्पताल आ गजुरी अस्पतालमे उपचार भऽरहलअछि । घाहिल होबबलामे अधिकांश बसमे सवार यात्रुसभ रहलअछि ।

Share.

Leave A Reply