बलात्कारीके कारबाहीके माग करति महोतरीके जलेश्वरमे प्रदर्शन

0

चैत्र–२९ गते,एक बालिकाके बलात्कार कएने घटनामे प्रहरी किछ कऽर नै सकल आरोप लगबति पीडितके नजदीकीसभ सोमदिन महोत्तरी जिल्ला प्रहरी कार्यालय घेराउ करति प्रदर्शन कएनेअछि । जिल्लाके पिपरा गाउँपालिका वडा नं. ४ रहनियार पासमान थरके १० वर्षीया बालिकाके व्याह् गाउँपालिकाके एक वृद्ध बलात्कार कएने कहति उजुरी कएने एकहप्ता सँ बेसी भेलाकऽबादो प्रहरी किछ ने कएने कहति पीडित परिवारसभ सदरमुकाम जलेश्वरमे प्रदर्शन कएनेअछि ।पीडित बालिकासहित ओकर परिवारजन आ गाउँपालिकाके पचाससँ बेसी स्थानीयसभ सदरमुकाम जलेश्वरस्थित जिल्ला प्रहरी कार्यालय घेराउ करति प्रदर्शन कएनेअछि ।पिपरास्थित आदर्श ई.बो.स्कुलके कक्षा २ मे पढवालीे १० वर्षीया बालिकाके चैत १८ गते विद्यालयसँ घर घुर्वाक क्रममे व्याह गाउँके वृद्ध ७२ वर्षिय कुमार पाण्डेय कहबला मुनीजी पाण्डेय बलात्कार कएने स्थानीयसभक आरोप रहलअछि ।एक महिला बालिकाके पकरिक घर भितर लगेल आ पाण्डेय केवार लगाक बालिकाके बलात्कार कएने पीडितके परिवारजनसभ जनौलकअछि । स्थानीयसभ पीडितके न्याय दे, दोषीके कारवाही करके कहति व्यानरसहित प्रदर्शन कएनअछि । पीडित परिवार दोषीके पक्राउ कऽर प्रहरी प्रशासन हेलचक्राई कऽरहल कहति अपनसभक मुद्दा समेत दर्ता नै कएने आरोप लगौनेअछि ।एक हप्तासँ पीडित बालिका, पीडितके माय बाबूके कार्यालय समयमे बजौने, पुछताछ कएने मुद्दा दोषीके पक्राउ कऽर नै सकल बतबति पीडितके बाबु विपिन पासजान दलित, गरिबके लेल अलगे कानुन रहल कहति उपराग सुनौलनि ।एमहर, जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीके निमित्त प्रमुख डिएसपी दिपक पोखरेल २१ गतेके मुद्दा दर्ता कएने जानकारी करबति अनुसन्धान जारी रहल  जानकारी देलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply