बम फेकबला असई दुर्गाबहादुर रानाके ५१ हजार सहित सम्मान

0

श्रावण १९ गते,पहिचान होबऽ नै सकल समूहसभ फेक्ने बम पकरिक फेकबला प्रहरी सहायक निरीक्षक दुर्गा बहादुर रानाके ५१ हजार रुपैयाँसहित सम्मान कएलगेलअछि । स्थानीय तह चुनावक क्रममे दाङके तुलसीपुर उपमहानगरपालिका–३ स्थित श्री प्रतापपुर अम्बास आवासीय विद्यालय स्थित मतदान केन्द्रमे खटल राना बम फेकक मानवीय तथा भौतिक क्षति होबऽ नै देने कहति हुनका पूर्व नेपाल प्रहरी परिवार मञ्च बेलायत सम्मान कएनेअछि ।
प्रहरी महानिरीक्षक प्रकाश अर्यालके उपस्थितिमे बृहस्पतिदिन हुनका सम्मान कएलगेलअछि । प्रहरी प्रधान कार्यालयमे आयोजित एक कार्यक्रममे मञ्चके दिससँ मञ्चक सल्लाहकार एवं नेपाल प्रहरीके पूर्व प्रहरी नायव उपरीक्षक शिवजी श्रेष्ठ प्रहरी सहायक निरीक्षक रानाके नगद ५१ हजार रुपैयाँ तथा प्रमाणपत्र प्रदान कएलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply