बटेश्वर गाउँपालिकाके अध्यक्ष , उपाध्यक्ष पदक लेल एमालेके प्रत्यासीत उम्मेदवारसभके नाम जिल्ला कमिटीमे पठाऔल जाएत

0

बैशाख ७ गते । जनकपुरधामा
दिपेन्द्र प्रसाद सिंह

धनुषाके उत्तरवर्ती क्षेत्र बटेश्वर गाउँपालिकामे नेकपा एमाले सँ अध्यक्ष आ उपाध्यक्षमे प्रत्यासी उम्मेदवारसभके नाम सिफारिस काएलगेल अछि । नेकपा एमालेके वितल अबेरराति धरि भेल बैसारमे एमालेके दिस सँ अध्यक्षके लेल ४ गोटे आ उपाध्यक्षके लेल सेहो ४ गोटेके नाम अएलाक बाद सर्वसम्मती करके प्रयास जारी अछि ।
हाल बटेश्वर गाउँपालिकामे साविकके बेंगाडावर गाविसके वाडा नं. ६सहित लक्ष्मीनिवास गाविस, भुचक्रपुर, बटेश्वरके मिला कँ गाउँपालिका बनला सँ ओही पुरनका गाविसके अपने कार्यकतासभविचमे तालमेल नहि मिल रहला सँ बैशाख ३१ गते होवए जाँ रहल स्थानिय तहके उम्मेदवार चयन करवा लेल दलक नेतासभके समस्या भँ रहल अछि । दलक नेतासभ अपन अपन पुरनका संरचनाअनुसारके पक्षमे रहि कँ गाउँपालिकाके अध्यक्ष आ उपाध्यक्षके लेल अडान लँ रहला सँ सेहो उम्मेदवार छनौट करवा लेल समस्या भँ रहल अछि ।
नेकपा एमालेके प्रभावशाली नेता टंकप्रसाद बराल प्रमुख आतिथ्यमे अबेर राति धरि चल्ल बैसार सँ अध्यक्ष पदक लेल प्रत्यासी उम्मेदवारसभमध्ये रामप्रवोध महतो , गणेश राउत, नथुनी महतो कुशवाहा, आ जगदेव महतोके नाम आएल अछि तँ उपाध्यक्ष पदक लेल प्रर्मिला देवी सिंह, गंगा देवी महतो , फुलपरासी महतो आ रिता भटटराईके नाम अएलाक बाद सर्वसम्मती कर खोजलाक बाद सर्वसम्मत नहि भेलाक बाद प्रत्यासी उम्मेदवारसभक नाम जिल्ला कमिटी सँ चयन करवा लेल जिल्लामे पठावके निर्णय भेल अछि । तहिना बटेश्वर गाउँपालिकाके अध्यक्ष आ उपाध्यक्ष पदक लेल काग्रेस आ माओवादी पार्टीसभमे सेहो प्रत्यासीत उम्मेदवार बेसी रहला सँ दलसभके सर्वसम्मत उम्मेदवार  चयन करमे समस्या देखलगेल अछि ।

Share.

Leave A Reply