प्रहरी चौकीमे पूर्वसभासदसँ एक व्यक्ति पिटाएल

0

बैशाख—२८गते,पूर्वसभासद शिवचन्द्र कुशवाहाके प्रहरी बुधदिन दुपहर पक्राउ कएलकअछि । जग्गाके विषयमे एक व्याक्तिके मारपिट कएलाकबाद प्रहरी पूर्वसभासद कुवशाहाके पक्राउ कएनेअछि ।प्रहरी चौकी बरियारपुरमे जग्गाके विषयमे छलफल भऽरहल बेर पूर्वसभासद कुशवाहा महागढीमाई नगरपालिका–१ के बरियारपुरके जामुन प्रसाद बरइके हातपात कएलाकबाद प्रहरी  कुशवाहाके पक्राउ कएनेअछि ।कुशवाहाके जिल्ला प्रहरी कार्यालय बाराके हिरासतमे राखिक थप अनुसन्धान कऽरहलअछि । हुनका विरुद्ध सार्वजनिक अपराध मुद्धा चलैवाक बाराके प्रहरी नायव उपरीक्षक राजेन्द्र बाबु रेग्मी बतौलनिअछि । जग्गाके विषयमे बरइ आ पूर्वसभासद कुशवाहा बिच बेसी समयसँ विवाद होईत आबिरहल छल ।विवाद मिलाब बुधदिन छलफलके लेल दुनु गोटेके प्रहरी चौकीमे बजौनेछल ।  विवाद भेलाकबाद पूर्वसभासद कुशवाहा प्रहरीएके अगाडि बरइके मारपिट कएनेछल ।

Share.

Leave A Reply