प्रहरी आ विप्लव समूहबीचके भिडन्तमे एकके मृत्यु

0

जेठ १ गते, कालिकोटमे रबिदिन साँझ प्रहरी आ विप्लव समूहबीचमे भिडन्त भेलासँ एकके मृत्यु भेलअछि । मतपेटिका जफत कऽर आएल नरहरीनाथ गाउँपालिका ६ के ४३ वर्षीय नेपाल कम्युनिष्ट पार्टीके कार्यकर्ता धनरुप बटालाके मृत्यु भेल जिल्ला प्रशासन कार्यालय कालिकोट जनौलकअछि ।
सदरमुकामसँ आठ घण्टाके दूरीमे रहल मालकोट नन्दादेवी माविके मतदान केन्द्रमे मतदान भऽरहल समयमे प्रहरी आ विप्लव समूहबीच भिडन्त भेलछल । भिडन्तमे गोली लागि घाहिल भेल बटालाके रबिदिन मध्य राती मृत्यु भेल कालिकोटके प्रमुख जिल्ला अधिकारी गृहधारी सुवेदी जानकारी देलनिअछि । पोष्टमार्टमके लेल कालिकोट जिल्ला अस्पतालमे हेलिकोप्टरसँ लाओलगेलअछि ।
भिडन्तमे घाहिल भेल दु गोटेके थप उपचारक लेल मध्यपश्चिमाञ्चल क्षेत्रीय अस्पताल सुर्खेत लगेलअछि । घाहिल भेल ३० वर्षीय दानबहादुुर बटाला आ ३२ वर्षीय तलुबहादुर बटालाके उपचारक लेल सुर्खेत लगेल प्रजिअ सुवेदी बतौलनिअछि ।
अहिना व्याह् ठामँके ४५ वर्षीय व्यासी बटालाके सेहो प्रहरीके गोली लागि घाहिल भेल आ कालिकोट जिल्ला अस्पतालमे उपचार भऽरहल बताओलगेलअछि । विप्लव समूहक कार्यकर्तासभ मतपेटिका छिन अएलाकबाद दुनु समूहबीच गोली चललछल । दु गोटे प्रहरी सेहो घाहिल भेलअछि । मत पेटिका सहित मतपत्र जरौने बताओलगेलअछि ।
अखन स्थगित भेल मतदान केन्द्रसहित जिल्लाके सम्पूर्ण सुरक्षा व्यवस्थाके कडा बनौने कालिकोट प्रशासन जानकारी करौलकअछि ।

Share.

Leave A Reply