प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा आय मन्त्रिपरिषद् विस्तार कऽर जाऽरहल

0

श्रावण १० गते,प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा पार्टी केन्द्रीय कार्यसमितिके बैसार सोमदिन नै सक्लाक कारण मन्त्रिपरिषद् विस्तार कऽर नै सकल कहति आय मंगलदिन करके जनौलनिअछि । देउवा सोमदिन दाहालके फोन कऽ मंगलदिन मन्त्रिपरिषद् विस्तार करके जानकारी करौनेछलथि । रबिदिन माओवादी केन्द्रक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहालसाथेके छलफलमे देउवा सोमदिन मन्त्रिपरिषद् विस्तार कर्वाक वचन देनेछलथि । दाहाल मन्त्रिपरिषद् विस्तारमे बेसी ढिलाइ भेल कहति प्रधानमन्त्रीके आलोचना कएनेछलथि । पार्टी बैसारेमे सरकार सुस्त भेल कहति प्रधानमन्त्री देउवाके कडा आलोचना भेलछल ।
माओवादी केन्द्र मन्त्रिपरिषद्मे जायबलाके नाम निर्णय लगौलाकऽबादो कांग्रेसमे अखनधरि निर्णय लाग नै सकलअछि । कांग्रेसभितरे वरिष्ठ नेता रामचन्द्र पौडेल पक्षके ५, पूर्वमहामन्त्री कृष्णप्रसाद सिटौला आ नेता खुमबहादुर खडके पक्षसँ एक एक गोटे भागबन्डाके आधारमे मन्त्री बनैवाक तयारी देउवाके अछि । पौडेल पक्षसँ बलबहादुर केसी, रामकृष्ण यादव, राजेन्द्र कुमार केसी, सरिता प्रसाईं, कमला पन्तल गायतके नाम चर्चामे रहलअछि । अयसँ आगा मन्त्री आ राज्यमन्त्री भेलसभके दोर्होयाब नै होबके दबाब पौडेल पक्षमे अछि । सिटौला पक्षसँ भीमसेन दास प्रधान आ खड्का पक्षसँ मोहनबहादुर बस्नेतके मन्त्रीमे पठैवाक तयारी अछि । प्रधानमन्त्री देउवाके अपने समूहसँ मन्त्री छान समस्या भऽ रहलअछि । मन्त्री बनाबबलासभमे समावेशी आ भौगोलिक सन्तुलन मिलाब पार्टी भितरेसँ देउवाके तीव्र दबाब अछि । देउवा पक्षसँ भरत शाह, मीन विश्वकर्मा, अम्बिका बस्नेत, भीष्म आङदम्बे, अर्जुन जोशी लगायतके नाम चर्चामे अछि ।
माओवादीसभ मन्त्रीके नाम निर्णय लगौलाकऽबादो सार्वजनिक नै कएनेअछि । स्रोतक अनुसार माओवादी केन्द्रसँ गिरिराजमणि पोखरेल, महेन्द्र बहादुर शाही, आशा खनाल, टेकबहादुर बस्नेत, सीता नेपाली लगायतके नाम मन्त्रीके लिस्टमे समावेश भेल चर्चा अछि । फोरम लोकतान्त्रिक अयसँ अगे मन्त्री भेल जितेन्द्र देव आ गोपाल दहितके पठाब लागलअछि । कांग्रेससँ १०, माओवादी केन्द्रसँ ६ आ लोकतान्त्रिक फोरमसँ २ समेत कऽ सोमदिन १८ मन्त्री थप कर्वाक तयारी देउवा कएनेछलथि ।

Share.

Leave A Reply