प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा राष्ट्रपतिके लेल १६ करोडके गाडी किनके प्रस्ताव नै आएल कहि कएलनि स्पष्ट

0

अषाढ २६ गते,प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा राष्ट्रपतिके लेल १६ करोडके गाडी किनके प्रस्ताव नै आएल स्पष्ट कएलनिअछि ।
व्यवस्थापिका संसदके सोमदिनके बैसारमे प्रधानमन्त्री देउवा बाहर आएल जेहन १६ करोडके गाडी किन्वाक प्रस्ताव नै आएल बतौलनिअछि । मुद्दा, ओ घुमौआ शैलीमे महंग गाडीके प्रस्ताव नै अएलाकऽबाद राष्ट्रपतिके पदके गरिमा आ सुरक्षाके सही व्यवस्थापन करपर्वाक भेलासँ राष्ट्रपति चढ्बला गाडी निक आ सुरक्षित होबऽपर्वाक तर्क देलनि ।
बैसारमे नेमकिपाके सांसद प्रेम सुवाल राष्ट्रपति विद्या भण्डारीके लेल १६ करोडके गाडी किनके आ सिंहदरबारभितर १० करोड लागतमे फोहर व्यवस्थापन आयोजना बनाब लागेल सम्बन्धमे जवाफ मँग्नेछल । प्रधानमन्त्री देउवा सिंहदरबारभितर ओहन किछ बन नै लागल सेहो स्पष्ट कएलनि ।

Share.

Leave A Reply