प्रधानमन्त्री देउवा आ प्रचण्डबीच छलफल, मन्त्रिपरिषद् विस्तार होएवाक संकेत

0

प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा आ नेकपा (माओवादी केन्द्र) के अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ बीच मुलुकके पछिल्का राजनीतिक अवस्था, सरकार विस्तार लगायतक विषयमे छलफल भेलअछि ।
प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारमे शुक्रदिन साँझ भेल भेटवार्ता सरकार सञ्चालन आ मन्त्रिपरिषद् विस्तार लगायतक विषयमे केन्द्रित रहल प्रधानमन्त्रीके सचिवालय जनौलकअछि ।
भेटमे प्रधानमन्त्री आ अध्यक्ष प्रचण्डबीच सत्ता समीकरण आ सरकारके काजबारे समेत छलफल भेलछल ।
प्रधानमन्त्री देउवा आ अध्यक्ष दाहालबीच थप गृहकार्य कऽक जल्दीए मन्त्रिपरिषद् विस्तार करके आ सरकार सञ्चालन एवम् दु पार्टीबीचके सम्बन्धके थप मजबुत बनाबके सम्बन्धमे बातचित भेल अध्यक्ष दाहालक प्रेस संयोजक मनोहरि तिमिल्सिना जानकारी करौलनिअछि ।
अध्यक्ष दाहाल प्रधानमन्त्री पदसँ राजीनामा देलाकऽबाद प्रधानमन्त्री देउवा आ अध्यक्ष प्रचण्डबीच पहिल बेर बालुवाटारमे छलफल भेलअछि । अयसँ आगुके छलफल अध्यक्ष दाहालके निवास लाजिम्पाटमे होईत आएलछल ।

Share.

Leave A Reply