प्रधानमन्त्रीके कारी झण्डा देखाबबला १२ गोटे जनकपुरके भानुचौकसँ पक्राउ

0

जेठ ७ गते,प्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’के कारी झण्डा देखाबबला १२ गोटे युवाके जनकपुरके भानुचौकसँ प्रहरी पक्राउ कएलकअछि ।
संविधान संशोधन नै कऽ स्थानीय निकायके चुनाव करौने कहति जनकपुरमे प्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल प्रचण्डके युवासभ कारी झण्डा देखौनेछल । रबिदिन दुपहर जनकपुरके भानु चोकमे ओ सभ कारी झण्डा देखौनेछल ।
कारी झण्डा देखाबबलासभके प्रहरी पक्राउ कएनेअछि । पक्राउ परबलामे मधेस अधिकार संघर्ष समितिके संयोजक सरोज मिश्र, परिवर्तनके लेल युवाके संयोजक सुशील कर्ण, मधेस क्रान्ति संघर्ष समितिके नवीन यादव, संयुक्त युवा क्लबके संयोजक धर्मेन्द्र साह, युवा दिपेन्द साह, प्रशान्त झा, जानी खान लगायत रहलअछि ।

Share.

Leave A Reply