प्रधानन्यायधीश कार्कीविरुद्ध महाअभियोग प्रस्ताव दता

0

बैशाख १८गते,प्रधानन्यायाधीश सुशीला कार्की विरुद्ध व्यवस्थापिका संसदमे महाअभियोगके प्रस्ताव दर्ता भेलअछि । कार्यपालिकाके अधिकारउपर हस्तक्षेप कएने आरोप लगबति नेपाली कांग्रेस आ नेकपा माओवादी केन्द्रक सांसदसभ व्यवस्थापिका संसद सचिवालयमे महाअभियोग प्रस्ताव दर्ता करौनेअछि । नेपाली कांग्रेसक मिनबहादुर विश्वकर्मा प्रस्तावक आ माओवादीके टेकबहादुर बस्नेत समर्थक रहल प्रस्तावमे दुनु दलके दुसय ४९ सांसदके हस्ताक्षर अछि ।प्रहरी महानिरीक्षक प्रकरणमे कार्यसम्पादन मूल्याँकन तोडमोड कएने, पक्षपात कऽक सीमित न्यायाधीशके मात्र इजलासमे राखके लगायतक आरोप लगबति प्रस्ताव दर्ता करौनेअछि । महाअभियोग दर्ताबाद स्वतः निलम्बन होबके संवैधानिक व्यवस्था अछि । अय सम्बन्धी संसद सचिवालय राष्ट्रपति कार्यालय आ सर्वोच्च अदालतमे पत्राचार कएनेअछि ।

 

 

Share.

Leave A Reply