प्रदेश नम्बर २ मे माओवादी पहिल ह्यात प्रचण्डक कथन

0

श्रावण १७ गते,नेकपा माओवादी केन्द्रक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड आबबला आश्विन २ गते होबबला प्रदेश नम्बर २ के स्थानीय तहके चुनावमे माओवादी पहिल होएवाक विश्वासव्यक्त कएलनिअछि ।
प्रदेश नम्बर २ के अगुवा नेताकार्यकर्ताके सोमदिन प्रशिक्षण देबऽ जनकपुर आएल अध्यक्ष दहाल भिन्सर पार्टीके सचिवालय बैसारबाद बुधदिन पत्रकार सम्मेलन कऽ दुनम्बर प्रदेशमे पार्टी पहिल बन सक्वाक आधारसभ पेश करति माओवादी पहिल होबके बतौलनिअछि ।
ओे राजपा नेपालसमेत चुनावमे आबके दावी करति आगामी स्थानीय तहके चुनावमे राजपा, फोरम नेपाल, नेपाल लोकतान्त्रिक फोरम सहितक मधेस केन्द्रित दलसभसाथेतालमेल कऽक आगा बढ्के बतौलनिअछि । पूर्व प्रधानमन्त्री समेत रहल प्रचण्ड संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र, संघीयता आ धर्मनिरपेक्षताके पक्षधर दलसभसाथे मात्रगठबन्धन कर्वाक हुनक कहबछल ।
दोसर प्रसंगमे अध्यक्ष प्रचण्ड जनकपुर उपमहानगरपालिकाके जल्दीए महानगरपालिका बनैवाक प्रतिवद्धता व्यक्त कएलनिअछि । जनकपुरमे अन्तर्राष्ट्रिय स्तरकेविमानस्थल बनैवाक आश्वासन दैत अपनेसभ चुनावमे जित्लौ तँ जनकपुरके देशेके सुन्दर धार्मिक एवंम पर्यटकीय सहरके केन्द्रमे विकास कर्वाक अध्यक्ष प्रचाण्केकहबछल ।
ओे उत्पिडित समुदायके लेल लड्लापर प्रतिक्रियावादी आ बाहरी विस्तारवादी शक्तिसभ अवरोध करति आएल टिप्पणी देलनिअछि । पत्रकार सम्मेलनमे नेतानारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाश, राम बहादुर थापा बादल, स्वास्थ्यमन्त्री गिरिराजमणी पोखरेल, प्रदेश नं. २ के माओवादी संयोजक विश्वनाथ साह लगायतके उपस्थितिरहलछल ।

Share.

Leave A Reply