प्रदेश नम्बर २ के स्थानीय निर्वाचन तालिका सार्वजनिक, भदौ २१ गते उम्मेदवारके मनोनयन दर्ता

0

श्रावण ५गते,निर्वाचन आयोग आगामी आश्विन २ गते होब लागल प्रदेश नम्बर २ के स्थानीय निर्वाचन तालिका सार्वजनिक कएलकअछि । आयोगक प्रवक्ता सूर्यप्रसाद शर्मा बृहस्पतिदिन विज्ञप्ति प्रकाशन कऽक तेसर चरणके निर्वाचन अन्तर्गत भदौ २१ गते उम्मेदवारके मनोनयन पत्र दर्ता, २४ गते उम्मेदवारके निर्वाचन चिह्न प्रदान कऽर लगायतके कार्यक्रमसभ रहल जनौलकअछि । प्रदेश नं. २ के आठ जिल्लामे १ सय २७ स्थानीय तह –गाउँपालिका आ नगरपालिका) अछि ।
मतदान आश्विन २ गते भिन्सर ७ः०० बजेसँ साँझ ५ः०० बजेधरि सञ्चालन कएलजायत । निर्वाचन कार्यक्रम आयोगके बुधदिन बैसल बैसारसँ स्वीकृत कएने प्रवक्ता शर्मा बतौलनिअछि ।
मधेस केन्द्रित दलसभके सहभागी कराबके कहति सरकार बेर बेर घुस्काक प्रदेश २ के निर्वाचन आश्विनमे पहुँचौनेअछि । अयसँ आगा वैशाख ३१ आ अषाढ १४ कऽ प्रदेश नम्बर १,३, ४, ५, ६ आ ७ मे निर्वाचन भऽचुकलअछि ।

Share.

Leave A Reply