प्रदेश नम्बर १, ५ आ ७ के बहुतो ठामँमे वर्षा

0

अषाढ १४ गते,आय बुधदिन मतदान होबबला १, ५ आ ७ नम्बर प्रदेशके बहुतो ठामँमे अखन पानी परिरहलअछि । विशेष कऽ १ आ ५ नम्बर प्रदेशमे पानी पर्वाक क्रम बढीरहल मौसमविद विभूति पोख्रेल जानकारी देलनिअछि ।
हुनक अनुसार १ नम्बर प्रदेशमे ताप्जेजुङ, संखुवासभा बाहेकके जिल्लामे बेसी पानी परिरहलअछि । अहिना ५ नम्बर प्रदेशमे बाँके, बर्दिया बाहेकके ठामँमे सेहो पानी परिरहलअछि । ७ नम्बर प्रदेशमे डडेलधुरा, डोटी, अछाम लगायतक जिल्लासभमे पानी परिरहले मौसमविद् पोख्रेल जानकारी देलनिअछि । हुनक अनुसार अखन प्रदेश नम्बर १ आ ५ मे पानी पर्वाक क्रम बढीरहलअछि तँ ७ नम्बर प्रदेशमे किछ घटलअछि ।
अय प्रदेशमे बुधदिन हल्का पानी पर्वाक संभावना नै भेलाकऽबादो पानी परति रोकाएत । बेरियामे मौसम एकरति खुनल जेहन भेलाकऽबादो फेरसँ पानी परके भेलासँ समईएमे जाऽक मतदान कऽर ओे मतदाताके आग्रह कएलनिअछि । अहिना ओे मतपेटिका जोगाब निर्वाचन आयोगके सुझाव सेहो देलनिअछि ।
बितल जेठ २९ गते पूर्वी नेपालसँ प्रवेश कएने मनसुन मंगलदिन साँझसँ देशेभरि फैललासँ आय बुधदिन देशके बहुतरासँ ठामँमे पानी परके ओ जानकारी करौलनिअछि । बितल २४ घण्टामे लुम्लेमे सबसँ बेसी १५६ दशमलव ६ मिलिमिटर पानी परल जल तथा मौसम पूर्वानुमान महाशाखा जनौलकअछि ।

Share.

Leave A Reply