पेस्तोल देखाक लुट्बला एक प्रहरीसहित ६ पक्राउ, तीनगोटे अखनोे फरार, ५९ तोला सुनके गरगहना, एक लाख २५ हजार नगद आ ६ टा मोबाइल बरामद

0

चैत्र–२१ गते,लुटपाटमे संलग्न एक प्रहरी जवानसहित ६ गोटेके प्रहरी पक्राउ कऽ रबिदिन सार्वजनिक कएलकअछि ।पक्राउ परबलामे नुवाकोट खरानीटारमे दरबन्दी भऽक महानगरीय प्रहरी वृत्त सोह्रखुट्टेमे कार्यरत २६ वर्षीय प्रहरी जवान अजय गुरूङ सेहो अछि । पक्राउ परबला अन्य डान्स बारमे काज करबला, टुरिस्ट गाइड, बाउन्सर, सवारी चालक रहल खुजलअछि । प्रहरीके अनुसार लुटपाटमे संलग्न रहल आशंका कएलगेल अन्य तीनगोटे फरार रहलअछि ।शनिदिन सोह्रखुट्टेसँ पक्राउ परबलासभके साथसँ ५९ तोला ९८ लाल सुनके गरगहना, नगद एक लाख २५ हजार आ ६ टा मोबाइल बरामद भेलअछि । घटनाके २४ घण्टा बित्न नै पबति ओ सामान बेच्वाक तयारी करतिकाल प्रहरी ओकरासभके पक्राउ कएनेअछि ।

 

Share.

Leave A Reply