पेट्रोल, डिजेल आ मट्टितेलके भाव घट्ल,ग्यासके भाव यथावते

0

अषाढ ३ गते,नेपाल आयल निगम शुक्रक रातिसँ लागू होबजका पेट्रोलिमय पदार्थके भाउ घटौलकअछि । पेट्रोल, डिजेल आ मट्टितेलके भाउ प्रतिलिटर १ रुपैयाँ ५० पैसा घटौने निगमके प्रवक्ता सीताराम पोखरेल जानकारी देलनिअछि ।
आब पट्रोल प्रतिलिटर एकसय रुपैयाँमे पाओत तँ डिजेल आ मट्टितेल ७६ रुपैयाँ प्रतिलिटरमे पाओत । निगम खाना पकाबबला ग्यासके भाउमे कोनो फेर बदल नै कएनेअछि । ग्यासके प्रति सिलिण्डर १३ सय ५० रुपैयाँ अछि । नेपालके पेट्रोलियम पदार्थ देबबला भारतीय आयल कर्पोरेशन तय कएने मूल्यके आधारमे नेपाल आयल निगम स्वचालित मूल्य लागू करति हरेक १५–१५ दिनमे मूल्य समायोजन करके कह्लाकऽबादो करिब १० महिनाबाद पट्रोल, डिजेल आ मट्टितेलके भाउ घटलअछि ।
मूल्य समायोजन नै कएलाके कारण निगम पछिल्लका किछ महिनामे मासिक ३४ करोड रुपैयाँ नाफा कमबति आएलछल । निगम नाफासँ कर्मचारीसभके बोनस देबके समेत तयारी कऽरहलअछि ।

Share.

Leave A Reply