पार्टी भितरके विवाद नै मिल्लासँ दल दर्ताके राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपालके प्रयास भेल असफल

0

अषाढ २२ गते,पार्टी भितरके विवाद नै मिल्लाकबाद दल दर्ता करके राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपालके प्रयास असफल भेलअछि ।
बुधदिन भिन्सर ११ बजे बिजुलीबजारमे जम्मा होबके आ विधानसहितके दस्तावेजमे हस्ताक्षर कऽक निर्वाचन आयोग जायके तय भेलछल । मुद्दा, दिनभरि बैसार बैस्लाकऽबादो सहमति होबऽ नै सक्लासँ दल दर्ता कर्वाक तयारी रोकाएलअछि ।
स्रोतके अनुसार, तत्कालीन नेपाल सद्भावना पार्टीके अनिल झा हस्ताक्षर कऽर नै मान्नेअछि । ओ पार्टीके विधानमे गजेन्द्रनारायण सिंह आ रामजनम तिवारीके नाम राखपर्वाक अडान लेनेछथि तँ अन्यसभके यी मान्य नै अछि ।
दल दर्ता करके कहति सब कागजपत्र तयार भेलछल । तत्कालीन राष्ट्रिय मधेस समाजवादी पार्टीके अध्यक्ष शरदसिंह भण्डारी हस्ताक्षर सेहो कऽचुकलछलथि । राजपाके सोमदिनके बैसारमे अध्यक्ष मण्डलके संयोजक महन्थ ठाकुर दल दर्ताके प्रस्ताव रख्नेछलथि । ओ कार्यदलसभ बनौने विधान लगायतके मस्यौदा सेहो पेश कएलनि । ओयमे छलफलबाद लगभग सहमति सेहो जुट्लछल ।
मुद्दा, मंगलदिन ठाकुर प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवाके भेट् करगेलाकबाद बैसार रोकाएलछल । लगत्ते साँझ राजपाके नेतासभ भारतीय राजदूत मञ्जीवसिंह पुरीके भेट् लैनचौर पहुँचल स्रोतके दाबी अछि ।ओतसँ पाँच गोटे नेता पार्टी कार्यालय गेलाकबादो भण्डारी अपन निवास पहुँचलछलथि ।
राति करिब साढे ११ बजे सहमति भेल कहति महेन्द्र राय यादव भण्डारी लँग गेलनि, आ ओ विधान लगायतक सब कागजपत्रमे हस्ताक्षर समेत कऽक पठौलनि ।
म्ुद्दा, बुधदिन झा विधानमे दु गोटे नेताके नाम राखपरत कह्लाकबाद विवाद बढलअछि ।

Share.

Leave A Reply