पार्टी चुनाव भाँड्के घोषणा कएलाकऽबाद राजपा नेता अन्सारी एमालेमे कएलक प्रवेश

0

जेठ १३ गते,राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपाल निर्वाचन भाँड् जका आन्दोलन घोषणा कएनेके परातभिने पार्टीके मुस्लिम नेता अपन समर्थक सहित नेकपा एमालेमे प्रवेश कएनेअछि ।
मधेसमे रक्षात्मक बनिरहल एमाले बिभिन्न पार्टीसँ मधेसी नेतासभके प्रवेश करबति टिकट देवाक रणनीति बनौने बेर राजपाके सहमहामन्त्री समिम मिया अन्सारी शनिदिन एमालेमे प्रवेश कएनेअछि । कार्यक्रममे मुस्लिम नेता अन्सारीके अध्यक्ष केपी शर्मा अोली पार्टीमे स्वागत कएलनि ।
हुनका सँगे प्रवेश कएने अन्य मुस्लिम कार्यकर्ताके सेहो एमाले नेतासभ स्वागत कएनेछल ।
कार्यक्रमके सम्बोधन करति अध्यक्ष ओली अपने रमादानके बेर दोसर चरणके चुनाव जेठ ३१ गते नै राखके आग्रह करतिकाल ओय बेर सत्तापक्षके नेतासभ नै मान्ने बतौलनि ।
एमाले नेपालगन्ज उपमहानगरपालिकाके मेयरमे मुस्लिम उम्मेदवार उठौने आ आब मधेसके बहुतो ठामँमे मुस्लिमके उम्मेदवार बनाबके कहति ओली मुस्लिम मत आकषिर्क कऽर खोज्लनि ।
कार्यक्रममे बरिष्ठ नेता माधव कुमार नेपाल मैथिलीमे भाषण करति मुस्लिम समुदायके अगुवाई एमाले कर्वाक बतौलनि ।
राजपा नेता अन्सारी चुनाव बहिस्कार कर्वाक राजपाके निर्णय मधेसी जनताके अधिकार स्थापित होबऽनै देबके उद्देश्यसँ आएलसभ अपने ओय पार्टीमे रऽह नै सक्वाक बतौलनि ।

Share.

Leave A Reply