पाँच क्विन्टल चाँदी बरामद, राजस्व कार्यालय बुझ नै मान्लक

0

जेठ ६ गते, सिन्धुली प्रहरी पैघ परिमाणमे चाँदी बरामद कएलकअछि । इलाका प्रहरी कार्यालय खुर्कोट बृहस्पतिक राति चेकजाँचके क्रममे पाँच क्विन्टल चाँदी भेटौनेअछि । बिपी राजमार्ग होईत काठमाडौंसँ जनकपुरदिस अबतिकाल बा.१६ प ६४७ नम्बरके स्कार्पियो जिपमे ओय परिमाणके चाँदी बरामद कएने जिल्ला प्रहरी कार्यालय सिन्धुली जनौलकअछि ।
जनकपुर उपमहानगरपालिका रहनियार अमित गुप्ता चलाबिक लओने जिपमे खानतलासी कएलापर पाँच क्विन्टल चाँदी भेट्लाकबाद शंका लागिक नियन्त्रणमे लेने जिल्ला प्रहरी कार्यालयके प्रमुख तथा प्रहरी उपरीक्षक उमाशंकर पंजियार बतौलनिअछि ।
प्रहरी नियन्त्रणमे लऽक अनुसन्धानक लेल आन्तरिक राजस्व कार्यालय महोत्तरीके बृहस्पतिएके राति बुझाब लगेलाकबादो कार्यालय बुझ नै मान्ने प्रहरी उपरीक्षक पंजियार बतौलनिअछि । आन्तरिक राजस्व कार्यालय बर्दिबासे चाँदी बुझ नै मान्लाकबाद प्रहरी आन्तरिक राजस्व कार्यालय बारा पथलैया लगेलछल । मुद्दा, आन्तरिक राजस्व कार्यालय पथलैया सेहो बुझसँ आनाकानी कएनेअछि ।
कार्यालय बुझ नै मान्लाकबाद चाँदीके सुरक्षासहित सिन्धुलीसँ गेल सुरक्षाकर्मीके राजस्व कार्यालयके कम्पाउन्डभितर गाडी राखिक फोटो खिचक लाबके कहि आदेश देने प्रहरी उपरीक्षक पंजियार बतौलनि । चाँदीके बिल देख्लाकबादो रातिक लेनाई, पैघ परिमाण देखननाई आ राजस्व कार्यालय बुझ नै मान्लासँ आशंका पैदा कएनेअछि । ‘कार्यालयमे कर्मचारी अछि मुद्दा बुझ आ छानबिन करसँ ईन्कार कएनेअछि’ पंजियार बर्तौलनि ।

Share.

Leave A Reply