पहिल चरणके स्थानीय तहके निर्वाचनक परिणाम सन्तोषजनक रहल एमालेके निष्कर्ष

0

जेठ ५ गते,नेकपा एमाले पहिल चरणके स्थानीय तहके निर्वाचनके परिणाम सन्तोषजनक रहल निष्कर्ष निकाल्लकअछि ।
एमाले सचिव एवम् प्रचार विभाग प्रमुख योगेश भट्टराई स्थानीय तहके पहिल चरणके निर्वाचनके प्रारम्भिक नतिजा सन्तोषजनक रहल प्रतिक्रिया देलनिअछि ।
ओ पहिल चरणके स्थानीय तहके निर्वाचनके प्रारम्भिक परिणामसँ पूरे पार्टी पंक्तिके उत्साहित बनौने सेहो स्पष्ट कएलनिअछि ।
सचिव भट्टराई स्थानीय तहके पहिल चरणके निर्वाचनमे अपन पार्टी बहुमत लएवाक दावी समेत कएलनिअछि ।
एमाले शुक्रदिन बेर एक बजेधरि १ सय ३ स्थानमे जित हासिल कएनेअछि ।
सचिव भट्टराई कतेक ठामँमे पार्टी भितर मजबुत एकता नै भेलासँ सेहो निर्वाचनमे पराजय व्यहोर परल उल्लेख कएलनि ।
एमाले दोसर चरणके निर्वाचनके भयरहित वातावरणमे सम्पन्न कराबके सेहो सरकारसँ माग कएलकअछि ।
पहिल चरणके निर्वाचनमे सत्तारुढ दलसभ राज्य शक्तिके दूरुपयोग कएने निष्कर्ष निकाल्ने एमाले दोसर चरणके निर्वाचनके भयरहित वातावरणमे सम्पन्न कराब सरकारसँ माग कएलअछि । सचिव भट्टराई दोसर चरणके निर्वाचनमे राज्य शक्तिके दुरुपयोग नै कऽर सेहो सरकार आ सत्तारुढ दलसभसँ माग कएलनिअछि ।
नेकपा एमाले दोसर चरणके निर्वाचनके तयारीके आगा बढौने जनौलकअछि । एमाले पहिल चरणके निर्वाचनमे हालधरिके मत परिणाममे पहिल स्थान हासिल कएनेअछि । एमाले चारि टा नगरपालिका मध्ये काठमाडौं, पोखरा आ भरतपुर महानगरपालिकामे अग्रता कायमे रख्नेअछि तँ ललितपुर महानगरपालिकामे कम मतके अन्तरसँ काँग्रेस आगा देखलगेलअछि ।

Share.

Leave A Reply