परासी चुनावमे चारि टा नेपाली सेनाके बख्तरबन्द गाडी आ दुटा हेलिकप्टरसँ हवाइ गस्ती

0

अषाढ १४ गते,स्थानीय तह निर्वाचन अन्तर्गत आय बुधबार भऽरहल निर्वाचनक लेल सम्बेदनशील मानलगेल नवलपरासी जिल्लामे सुरक्षा ब्यवस्था एकदमे कडा बनाओलगेलअछि । आय मतदानके ध्यानमे राखि सेनाके हेलिकप्टरसँ गस्ती करके साथे बख्तरबन्द गाडी समेत परिचालन कएलगेलअछि ।
जिल्लामे निर्वाचनके सुरक्षाक लेल ४ टा नेपाली सेनाके बख्तरबन्द गाडीसभ दिनभरि गस्ती करके साथे दु टा हेलिकप्टर परिचालन कएने जिल्ला प्रशासन कार्यालय जनौलकअछि ।
अहिना, प्रत्येक नगर तथा गाउँपालिकामे २ टा प्रहरीके मोबाइल टोली आ एकटा गस्ती टोली परिचालन कएने जिल्ला प्रशासन कार्यालय जनौलकअछि । शान्ति सुरक्षाक लेल जिल्लामे १२ सय नेपाल प्रहरी, ७ सय सशस्त्र प्रहरी, ४ सय ४० नेपाली सेना आ १ हजार ८ सय ७० गोटे म्यादी प्रहरी परिचालन कएने प्रशासन जनौलकअछि ।
नवलपरासीके सब मतदान केन्द्रसभमे बुथ निर्माण, मतपेटिका व्यवस्थापन मतदाता परिचयपत्र वितरण आ सुरक्षा व्यवस्था समेतके काज सम्पन्न भऽ समग्र निर्वाचन तयारी पुरा भेल मुख्य निर्वाचन अधिकृत कैलाश केसी जानकारी देलनिअछि ।
जिल्लाके आधा भागमे निर्वाचन भऽचुकल नवलपरासीके सुनवल, बर्दघाट, रामग्राम नगरपालिका तथा पाल्हीनन्दन, सरावल प्रतापपुर, सुस्ता गाउँपालिका कऽ ७ टा स्थानीय तहमे आय बुधदिन निर्वाचन भऽरहलअछि । जिल्लामे कुल १ सय २० मतदानस्थल तथा २ सय ४० मतदान केन्द्र निर्धारण कएलगेलअछि तँ ७ तहके कुल १ लाख ८३ हजार १३ गोटे मतदातासभ रहल जिल्ला निर्वाचन कार्यालय जनौलकअछि ।
करिब ७५ प्रतिशत मतदाता परिचयपत्र वितरण भऽचुकल निर्वाचन कार्यालय जनौलकअछि । खासकऽ राजमार्ग आसपासक क्षेत्रके सुनवल आ बर्दघाट नगरपालिकासभमे बेसी मतदाता परिचय वितरण भेलअछि ।
नवलपरासीके ओय ७ स्थानीय तहमे पार्टीगत आ स्वतन्त कऽ कुल १ हजार ७ सय ६१ गेटे उम्मेदवारसभ चुनावी पं्रतिस्पर्धामे अछि जयमध्ये ७ तह कऽ प्रमुख, उपप्रमुख, वडा अध्यक्ष आ सदस्यसभ समेत जम्मा ३ सय ८९ गोट उम्मेदवार मात्र चयन ह्यात ।
दोसर चरणके निर्वाचन सम्पन्न कराब कुल १ हजार ४ सय ४० गोटे कर्मचारीके खटाओलऽगेलअछि ।

Share.

Leave A Reply