पत्रकार महासंघके चुनावमे सहभागी भेल कहैत रेडियोसँ दु पत्रकार निष्कासित

0

चैत–२ गते,नेपाल पत्रकार महासंघके अधिवेशनमे सहभागी भेल कहैत महोत्तरीके एकटा रेडियो दु गोटे पत्रकारके निष्कासित कएनेअछि ।गत फागुन १७ गते भेल पत्रकार महासंघ महोत्तरी शाखाके १० हम्ँँ अधिवेशनमे सहभागी भेल कहैत महोत्तरीके गौशाला नगरपालिकामे रहल रेडियो गौशालामे कार्यरत दु गोटे पत्रकार निकालल गेलअछि । रेडियोमे  बितल ६ वर्षसँ कार्यरत्त समाचार संयोजक सुनिता महतो आ समाचारवाचक धनवीर महतोके एक साथ निकाल्नेअछि । बाँकी  तलबभत्ता समेत उपलब्ध नै करौने पत्रकार धनवीर महतो उपराग सुनौनेछथि ।  अधिवेशनमे सहभागी भेल कहैत निकाला कएलाकबाद दुनु गोटे पत्रकार समस्यामे परलअछि ।तलब उपलब्ध कराब रेडियोके स्टेशन प्रमुख सुरेश महतोके कहलापर ‘तोँ सभ आन्दोलनकारी छे’ कहैत तलब नै देवाक जवाफ घुरौने पत्रकार सुनिता महतो बतौलीअछि । अय विषयमे नेपाल पत्रकार महासंघ आ अन्य संघ संगठनसभ कोनो पहल नै कएने हुनक उपराग रहलअछि ।

Share.

Leave A Reply