नेपाल भारत सीमा नजदिक भेल बम विसफोट

0

चैत्र–२९ गते,नेपाल भारत सीमानजदिक सोमदिन दुपहर बम विस्फोट भेलअछि । नेपाल भारत सीमा क्षेत्रके जंगे पिलरके नजदिक बेवारिसे अवस्थामे रहल बम विस्फोट भेलअछि ।रौतहटके जिंगडबा बेलबिछवा वडा नम्बर ८ मे रहल पिलर नम्बर ३४४ सँ करिब सय मिटर उत्तर नेपालदिसके खेतमे बेवारिसे अवस्थामे रहल बम विस्फोट भेलासँ खेतमे चरिरहल स्थानीय विनोद राय यादवके एकटा भैँसी घाहिल भेलअछि ।सदरमुकाम गौरस्थित भन्सार कार्यालयसँ करिब दु किलोमिटर पूर्वदिस रहल पिलरसँ किछ दूरीपर खैनी, तुलसी परागके टिनके बट्टामे रहल पुरान बम नजदिक चरिते गेलापर भैँसी पैर रख्लाकऽबाद बम विस्फोट भेल सशस्त्र प्रहरी बल सीमा सुरक्षा कार्यालय रौतहटके प्रमुख एसपि भगवान मल्ल बतौलनिअछि । घटनाके विषयमे थप अनुसन्धान भऽरहल एसपि मल्ल बतौलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply