नेपाल–चीन संयन्त्र बैसार चीन फेर मग्लक सडक आ रेल सञ्जालके प्रस्ताव

0

अषाढ ७ गते,चीनसाथेके सडक, रेल तथा हवाई संजाल मजबुत आ सरल बनाबके विषय नेपाल सरकार लेने निर्णयमे निर्भर करके चिनियाँ पक्षसभ बतौलकअछि । चारि वर्षबाद काठमाडौंमे मंगलदिन भेल नेपाल–चीन कूटनीतिक संयन्त्रके बैसारमे चिनिया टोलीसभ एहन जनौलकअछि ।
२०७२ बैशाखके भूकम्पबाद तातोपानी नाका बन्द अछि तँ दोसर नाका रसुवगढीमे नेपाल निक सडक संजाल बनाब नै सकलअछि । प्राकृतिक आ मानवीय दृष्टिसँ पूर्ण सुरक्षित नाकासभ चीनके रोजाइमे रहके बैसारमे सहभागीसभ बतौलकअछि । सडक आ रेल संजालके लेल नेपालके प्रस्तावसमेत चिनिया पक्षसभ अयसँ आगाके विभिन्न बैसारमे जऽका अयबेर सेहो माग कऽरहल सहभागीसभ जनौलकअछि ।
हरेक बर्ष काठमाडौं आ बेइजिङमे आलोपालो होईतआएल ओ बैसार नेपालके राजनीतिक उतारचढाव आ चिनियाँ चाँईखक एवं संवेदनशिलताक कारण चारि बर्षसँ होब नै सकलछल । मंगलदिन सिंहदरबार स्थित परराष्ट्र मन्त्रालयमे बैसार तीन घन्टा चललछल । सन् १९९६ मे निर्माण भेल संयन्त्रके पछिल्का बैसार २०१३ मे बेइजिङमे बैसलछल ।
बैसारमे नेपाल–चीनबीचके राजनीतिक, आर्थिक आ आपसी हितके समग्र विषयमे छलफल भेल सहभागीसभ बतौलकअछि । बैसारमे चिनियाँ पक्षके नेतृत्व ओतुका सहायक विदेशमन्त्री कुङ सेन यु आ नेपाली पक्षके नेतृत्व परराष्ट्र सचिव शंकरदास बैरागी कएनेछलथि । बैसारमे गृह, अर्थ, संघिय मामिला तथा स्थानीय विकास, संस्कृति पर्यटन तथा नागरिक उड्डयन, वाणिज्य, ऊर्जा मन्त्रालय, योजना आयोग, लगानी बोर्ड, पुनर्निर्माण प्राधिकरण लगायतक अधिकारीसभ सेहो सहभागी भेलछलथि ।
दुनु मुलुकबीच विगतमे सम्पन्न सम्झौता तथा सहमति कार्यान्वयन तत्काल आगा बढाब बैसारमे सहमति जुटल बैसारकबाद जारी कएने नोटमे उल्लेख अछि । ‘नेपाल–चीन सम्बन्धके राजनीतिक, आर्थिक सहयोग, लगानी, जनस्तरके सम्वन्ध लगायत समग्र पक्षसभमे विस्तृत छलफल भेलअछि ।

Share.

Leave A Reply