नेपाली सेना आ चिनियाँ जनमुक्ति सेनाके संयुक्त सैन्य अभ्यास शुरु

0

बैशाख–४ गते,नेपाली सेना आ चिनियाँ जनमुक्ति सेनाके संयुक्त सैन्य अभ्यास रबिदिनसँ काठमाडौंमे शुरु भेलअछि ।‘सगरमाथा फ्रेण्डसीप२०७३’ नाम देलगेल दुनु देशक विशेष फौजके पहिल नेपाल–चीन संयुक्त अभ्यास महाराजगञ्जस्थित सैनिक ब्यारेकमे सुरु भेलअछि ।व्यवस्था तथा युद्धकार्य महानिर्देशक उपरथी विनोद कुमार श्रेष्ठ बिशेष कार्यक्रमकेबीच संयुक्त सैन्य अभ्यास उद्घाटन कएनेछलथि ।सैन्य अभ्यास उद्घाटन कार्यक्रममे उपरथी श्रेष्ठ नेपाली सेना आ चिनियाँ जनमुक्ति सेनाबीच पहिल बेर सञ्चालनमे होबऽलागल संयुक्त सैन्य तालिमसँ दुनु देशके सेनाके व्यवसायिकता अभिवृद्धि कर्वाक बतोलनि । ओ मित्रवत सम्बन्धमे सेहो नयाँ आयाम थपके विश्वास व्यक्त कएलनि ।अहिना, चिनियाँ जनमुक्ति सेनाके दिससँ कर्णेल याङ शुमेङ नेपाली सेना आ चिनियाँ जनमुक्ति सेना बीचके महत्वपूर्ण पारस्परिक सम्बन्ध रहल बतोलनि । संयुक्त सैन्य अभ्याससँ प्रतिआतंकवाद कारवाहीके क्षमतामे अभिबृद्धि होबके आ दु देशक आपसी सम्बन्ध आओर मजबुत होएवाक ओ विश्वास व्यक्त कएलनि ।संयुक्त अभ्यास वैशाख १२ गतेधरि सञ्चालन हेवाक नेपाली सेना जनौलकअछि ।

Share.

Leave A Reply