नेपाली कांग्रेसभितर मन्त्रालयके भागबण्डा नै मिल्लासँ मंगलदिन होबके कहलगेल मन्त्रिपरिषद विस्तार आय बुधदिनक लेल घुस्काओलऽगेल

0

श्रावण १० गते,नेपाली कांग्रेसभितर मन्त्रालयके भागबण्डा नै मिल्लासँ मंगलदिन होबके कहलगेल मन्त्रिपरिषद विस्तार आय बुधदिनकऽलेल घुस्काओलऽगेलअछि ।
कांग्रेसमे सभापति शेरबहादुर देउवा, नेता रामचन्द्र पौडेल, कृष्णप्रसाद सिटौला आ खुमबहादुर खड्काबीच केकरा केकरा मन्त्री बनाबके आ कोन समुहसभ कतेक मन्त्रालय पाबके कहि विवाद भेलाकबाद कलहुका कहलगेल मन्त्रिमण्डल विस्तार रोकाएलअछि ।
प्रधानमन्त्री तथा कांग्रेस सभापति देउवा मङ्गलदिन भिन्सरेसँ मन्त्रिपरिषद विस्तारक लेल आन्तरिक गृहकार्यमे जुट्लाकऽबादो पौडेल समुहके अडानक कारण मङ्गलदिनके कार्यक्रम स्थगित भेल नेतासभ बतौनेअछि । कांग्रेसमे पौडेल पक्षसभ ६ टा महत्वपुर्ण मन्त्रालय नै पओलक तँ अपन समुह सरकारमे नै जायके बतबति आएलअछि ।

Share.

Leave A Reply