नेपालमे ५८ प्रतिशत असुरक्षित गर्भपतन

0

चैत्र–२०गते,नेपालमे ५८ प्रतिशत गर्भपतन असुरक्षित रुपसँ होईत आएल पाओलगेलअछि । वातावरण स्वास्थ्य आ जनसङ्ख्या कार्यक्रम अनुसन्धान केन्द्र (कृपा) कएने पछिल्का अध्ययनमे कुल गर्भपतन मध्ये ५८ प्रतिशत असुरक्षित रुपसँ  होईत आएल पाओलगेलअछि ।४२ प्रतिशतसँ मात्र नेपाल सरकार मान्यता देने स्वास्थ्य संस्थासँ सुरक्षित रुपमे गर्भपतन करबति आएल अनुसन्धानसँ देखौने अनुसन्धानकर्ता डा महेश पुरी जानकारी करौलनिअछि ।अध्ययन अनुसार नेपालमे वार्षिक तीन लाख २३ हजार ९४ गोटे गर्भपतन करौनेमे एक लाख ३७ हजारगोटे मात्र सुरक्षित गर्भपतन करौनेअछि । बाँकी एक लाख ८६ हजार ९४ महिलासभ मान्यता नै देने स्वास्थ्य संस्थासँ गर्भपतन करौने पाओलगेलअछि ।कृपा कएने अध्ययनमे गर्भपतन करौने मध्ये ८० हजारके समस्या देख्लासँ उपचारक लेल स्वास्थ्य संस्थामे गेल आ ओय मध्ये करिब ५४ हजार महिलासभ मान्यता नै पओने स्वास्थ्य संस्थामे गर्भपतन करौने पाओलगेलअछि ।यी तत्थाङ्कसँ नेपालमे असुरक्षित गर्भपतन पैघ समस्याके रुपमे रहल पाओलगेल डा पुरी बतौलनिअछि । पाँचु विकास क्षेत्रके जिल्लाके प्रतिनिधित्व कऽरजका २७ जिल्ला तथा ३८६ टा स्वास्थ्य संस्थामे अध्ययन भेलछल ।नेपालमे वार्षिक १० लाख ४८ हजार गर्भधारण करबति आएल आ ओय मध्ये ५० प्रतिशत इच्छा विपरितके होईत आएल अध्ययनसँ देखौनेअछि । इच्छा विपरित गर्भ रहल मध्ये ६२ प्रतिशत गर्भपतन करबति आएल समेत ओय अध्ययनसँ देखौनेअछि ।

 

Share.

Leave A Reply