नेकपा एमाले प्रदेश नम्बर २ के स्थानीय तह निर्वाचनमे पहिल बन्वाक लक्ष्यसहित पार्टीके सम्पूर्ण शक्ति परिचालन कर्वाक कएलक निर्णय

0

प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेकपा एमाले प्रदेश नम्बर २ के स्थानीय तह निर्वाचनमे पहिल बन्वाक लक्ष्यसहित पार्टीके सम्पूर्ण शक्ति परिचालन कर्वाक निर्णय कएलकअछि ।
पार्टी केन्द्रिय कार्यालय धुम्बाराहीमे बुधदिन भिन्सर बैसल पार्टी स्थायी समिति बैसारसँ आश्विन २ गते होबबला स्थानीय तह तेसर चरणके निर्वाचनमे पार्टीके सम्पूर्ण शक्ति परिचालन कर्वाक निर्णय कएलकअछि ।
बैसारसँ आगामी मंसीर १० गते प्रदेश सभा आ प्रतिनिधि सभा निर्वाचन करैवाक सरकारके निर्णयके स्वागत करति ओयके सफल कऽर सेहो पूरे पार्टीके परिचालन कर्वाक निर्णय सेहो कएलकअछि ।
प्रदेश नम्बर २ के स्थानीय तह निर्वाचनमे पार्टीके सम्पूर्ण शक्ति परिचालन कर्वाक निर्णय कएने पार्टीके सचिव प्रदिप ज्ञवाली जानकारी करौलनिअछि ।
एमाले प्रदेश नम्बर २ के स्थानीय तह निर्वाचनमे सेहो पार्टीके पहिल शक्ति बनाबके दावी करति आएलअछि ।
एमाले निर्वाचनमे सहभागी होबऽराष्ट्रिय जनता पार्टी, नेपालके पुनः आह्वान सेहो कएलकअछि । लोकतन्त्रके सुदृढिकरणके लेल सेहो राष्ट्रिय जनता पार्टी, नेपालके निर्वाचनमे सहभागी होबऽ पुनः आह्वान करपरल सचिव ज्ञवाली स्पष्ट कएलनि ।
एमाले प्रदेश सभा आ प्रतिनिधि सभा निर्वाचनक लेल आगामी शुक्रदिन निर्वाचन आयोगमे दल दर्ता कर्वाक निर्णय सेहो कएलकअछि ।
दल दर्ताक लेल पार्टीके उपाध्यक्ष बामदेव गौतमके अख्तियारी देने सचिव ज्ञवाली जानकारी करौलनि । निर्वाचन आयोग प्रदेश सभा आ प्रतिनिधि सभा निर्वाचन प्रयोजनक लेल आगामी रबिदिनधरि दल दर्ता कलेवाक आह्वान कएलकअछि ।
बैसारमे पार्टी अध्यक्ष केपी शर्मा ओली अपन नेतृत्वक सरकार तराईमे २० हजार घर परिवारके आवास बनाबके कार्यक्रम आगा नै बढौने कहति सरकारके आलोचना कएनेछल ।

Share.

Leave A Reply