निर्वाचन आयोग सार्वजनिक कएलक जेठ ३१ के निर्वाचन कार्यतालिका

0

बैशाख १२ गते,निर्वाचन आयोग स्थानीय तहके निर्वाचन दु चरणमे कर्वाक औपचारिक निर्णय कएलकअछि ।आयोग सरकारके निर्णयअनुसार दु चरणमे निर्वाचन कर्वाक निर्णय कएनेअछि । आयोगक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त अयोधी प्रसाद यादव पहिल चरणमे बैशाख ३१ आ दोसर चरणमे जेठ ३१ मे होबबला स्थानीय तह निर्वाचनके कार्यतालिका सार्वजनिक कएने जानकारी देलनि ।आयोगके सोमदिन बैसल बैसारसँ दोसर चरणके निर्वाचन कार्यतालिका पारितबाद पत्रकार सममेलन कऽक सार्वजनिक कएलकअछि ।तहिना, आयोग पहिल चरणमे होबबला निर्वाचनके कार्यतालिका सेहो हेरफेर कएलकअछि । जयअनुसार बैशाख १६ के लेल तय भेल उमेद्वारी दर्ताके समय १९ गतेके तोक्नेअछि । निर्वाचन चिन्ह वितरण कर्वाक काज बैशाख १९ गते तय भेलमे बैशाख २२ गतेके लेल घुस्काओल गेलअछि ।आयोग सोमदिन सार्वजनिक कएने दोसर चरणके निर्वाचनके कार्यतालिका अनुसार जेठ ३१ मे होबबला स्थानीय निर्वाचनक लेल उमेद्वारके मनोनयन दर्ताके समय जेठ १९ गतेके तोक्नेअछि ।व्याह् दिन साँझ ५ बजे उमेद्वारके सुचि सार्वजनिक ह्यात । आयोग जेठ २० मे उमेदवारके उजुरी लेवाक समय आ मनोनयनपत्र जाँच कर्वाक समय छुट्यौनेअछि । जेठ २१ गते उमेद्वारके नामावाली प्रकाशन आ नामावली फिर्ताके समय घुस्कौनेअछि ।उमेद्वाारके अन्तिम नामावली जेठ २२ गते सार्वजनिक कर्वाक आयोग जनौलकअछि । तहिना आयोग २२ गते उमेद्वारके निर्वाचन चिन्ह प्रदान कर्वाक समय तोक्नेअछि ।पत्रकार सम्मेलनमे प्रमुख निर्वाचन आयुक्त अयोधी यादव पहिल चरणमे भेल निर्वाचनके मतगणना बाद दोसर चरणके निर्वाचन होएवाक सेहो स्पस्ट कएनेछथि । ओ बजेट विकासके महतवपुर्ण बाट भेलासँ बजेट लाब आयोग बाधक नै बन्वाक समेत जनौलनि ।पहिल चरणमे बैशाख ३१ गते प्रदेश नम्बर ३,४ आ ६ के ३४ जिल्लाके २ सय ९३ स्थानीय तहमे निर्वाचन ह्यात तँ दोसर चरणमे   १, २, ५ आ ७ प्रदेशमे निर्वाचन ह्यात ।

Share.

Leave A Reply