निर्वाचन आयोगद्वारा आचारसंहिता अनुगमनमे कडाई,केन्द्रसँ अलग अलग उच्चस्तरके टोली खटल

0

बैशाख २० गते,निर्वाचनक लेल उम्मेदवारी दर्ता होबऽलगत्ते निर्वाचन आयोग निर्वाचन आचारसंहिता अनुगमनके तीव्र बनौलकअछि ।आयोग केन्द्रेसँ सचिव आ सहसचिवके नेतृत्वमे हरेक जिल्लामे उच्चस्तरिय अनुगमन टोली खटौलकअछि ।आयोग बुधेदिनसँ उच्चस्तरके टोली खटाबिचुकलअछि । अहिना निर्वाचन आयोग आयुक्त स्तरके दोसर अलगे निर्वाचन आचारसंहिता अनुगमन समिति समेत खटौलकअछि ।आयोग निर्वाचन आचारसंहिता अनुगमनके लेल आयुत्तसभ इला शर्मा आ नरेन्द्र दाहालके प्रदेश नम्बर ३, आयुत्त सुधीर कुमार शाहके प्रदेश नम्बर ६ आ दोसर आयुक्त ईश्वरी पौडेलके प्रदेश नम्बर ४ के अनुगमन जिम्मेवारी तोक्लकअछि ।निर्वाचन आयोग निर्वाचन आचार संहिता कार्यान्वयनके सुष्म अनुगमन कऽर बुधदिनसँ निर्वाचन होबबला ३४ जिल्लामे अलग अलग उच्चस्तरिय टोली खटौलकअछि ।नेपाल सरकारके सचिव आ सहसचिव तहके अधिकारीसभके आयोग उच्चस्तरके सुष्म अनुगमनमे खटौनेअछि । टोलीसभ जिल्ला आ स्थानीय तहधरि आचारसिंहता पालनाके स्थितिबारे अनुगमन करके आ ओयके प्रतिवेदन आयोगके पेश कर्वाक रहलअछि । आयोग नियमित रुपमे ओहन प्रतिवेदन बुझाब जका जेठ २ गतेधरिके लेल खटौने आयोगक प्रवक्ता सूर्यप्रसाद शर्मा बतौलनिअछि ।उम्मेदवारके मनोनयन दर्ता कऽर लगत्ते उम्मेदवारसभमे निर्वाचन आचार संहिता आकषिर्त भेलासँ अनुगमनके तिव्रता देने आयोग जनौलकअछि । आब कोनो उम्मेदवारसभ आचारसंहिता उल्लंघन कएलापर आयोग उम्मेदवारके एक लाख रुपैयाँधरि जरिवाना सँ उम्मेदवारी समेत खारेज कर्वाक जनौलकअछि ।अयके अतिरिक्त आयोग प्रत्येक स्थानीय तहमे निर्वाचन अधिकृतके मातहतमे गाउँपालिकामे दु गोटे अनगुमनकर्ता खटौनेछल । आयोग उम्मेदवारके अन्तिम नामावली सार्वजनिक कएलाकबाद अनुगमन थप कडाइ करति जएवाक सेहो बतौलकअछि ।

Share.

Leave A Reply