निर्वाचन आचारसंहिता उल्लंघन कएने कहैत क्यान्सर अस्पताल विरुद्ध उजुरी

0

 

बैशाख १८ गते,चितवनके भरतपुरमे रहल वीपी कोइराला मेमोरियल क्यान्सर अस्पतल निर्वाचन आचारसंहिता उल्लंघन कएलकअछि ।अस्पताल निर्वाचन आचारसंहिता उल्लंघन करति कार्यकारी निर्देशकके नियुक्ति प्रकृयाक लेल विज्ञापन प्रकाशन कएलकऽअछि ।एनाक निर्वाचन आचारसंहिता विपरित नियुक्ति प्रक्रिया अगाडि बढौने कहैत अस्पतालक विरुद्ध निर्वाचन अधिकृतके कार्यालयमे उजुरी परलअछि ।अनेरास्ववियुके केन्द्रिय सदस्य एवम् चितवन जिल्ला इन्चार्ज प्रकाश भट्ट आ भरतपुर ७ कृष्णपुरमे राम आर्चाय अलग अलग रुपसँ मुख्य निर्वाचन अधिकृतके कार्यालय भरतपुरमे उजुरी दर्ता करौलकअछि ।अहिना काठमाडौंमे समेत निर्वाचन आयोगके कार्यालयमे उजुरी दर्ता कएनेअछि । क्यान्सर अस्पताल गत बैशाख १४ गते कार्यकारी निर्देशक नियुक्तिके लेल दरखास्त माग कएनेछल । हालके कार्यकारी निर्देशक चिनबहादुर पुनके पदावधी वैशाख आय (सोमदिन) सकलअछि ।निर्वाचन आयोग २०७३ फाल्गुण १८ गतेसँ देशभरि लागु होब जका निर्वाचन आचारसंहिता जारी कएनेछल ।स्थानीय तह निर्वाचन आचारसंहिता २०७३ विपरीत होबवजका क्यान्सर अस्पताल भरतपुरमे कार्यकारी निर्देशक नियुक्तिके प्रकृया रोक्वाक माग कएने अनेरास्ववियुके केन्द्रीय सदस्य प्रकाश भट्ट बतौलनिअछि ।स्थानीय तह निर्वाचन आचारसंहिता २०७३ के परिच्छेद ४ के कर्मचारी आचरण सम्बन्धी दफा ९ मे कोनो भि सरकारी तथा अर्धसरकारी निकायमे कर्मचारी सरुवा, दरवन्दी सिर्जना, नियुक्ति आ सरुवा बढुवा कऽर नै पाबके उल्लेख काएलगेलअछि ।

Share.

Leave A Reply