निर्वाचन अधिकृत चढल गाडीमे पथराव

0

बैशाख ९गते,जिल्ला सदरमुकाम नजदिकके पाल्ही नन्दन गाउँपालिकामे निर्वाचन कार्यालय स्थापनाक लेल निरीक्षणमे गेल निर्वाचन अधिकृत चढल गाडीमे मधेसी दलके कार्यकर्तासभ पथराव कएलकअछि ।पाल्ही नन्दन गाउँपालिकाकाके कुस्मामे निर्वाचन अधिकृतके कार्यलय स्थापनाक लेल गेल निर्वाचन अधिकृत शशी पौडेल चढल निजी बा १५ च ४६५१ नम्बरके स्कार्पियो गाडीमे पथराव कएनेअछि । ओे गाडी पाल्ही नन्दन गाउँपालिका कार्यालय प्रयोजनके लेल भाडामे लेनेअछि ।नन्दन गाउँपालिका चारि दिनबाद कुस्मामे निर्वाचन कार्यालय स्थापना कर्वाक लेल शुक्रदिन निरीक्षण कऽक घर्वाक क्रममे स्थानीय मधेसी दलके कार्यकर्तासभ पथराव कएनेछल । प्रहरी आक्रमणसँ गाडीके सिसा फुटल जानकारी करौलकअछि । निर्वाचन अधिकृत सहितके टोलीसभ भागिक जान बचौने स्थानीयसभ बतौलकअछि ।कुस्सा गाविसमे निर्वाचन कार्यालय स्थापना कऽर सुरक्षाकर्मी सहित टोली गेलछल । गाविसके कार्यालयमे स्थानीय बासिन्दासभ निर्वाचन कार्यालय खोलऽ नै देबके कहति बृहस्पतिदिन ताला लगौनेछल । स्थानीयसभ गाउँपालिकाके काज कऽर अवरोध नै करके मुद्दा, निर्वाचन कार्यालय स्थापना होबऽनै देबके कहति बृहस्पतिदिन भिन्सर तालाबन्दी कएनेछल ।जिल्ला प्रशासन कार्यालयके प्रतिनिधि आ सुरक्षाकर्मी सहित पहुँचल टोलीसभे कार्यालय स्थापना कऽर ताला तोड्नेछल । टोली घुरति काल स्थानीयसभ पथराव कएनेछल । नवलपरासीके प्रहरी उपरीक्षक राजेन्द्र चौधरी आक्रमणकारीके खोजी भऽरहल बतोलनि ।

 

 

Share.

Leave A Reply