निर्वाचनमे एक लाख ६३ हजार ८२३ सुरक्षाकर्मी परिचालन

0

अषाढ १४ गते,दोसर चरणअन्तर्गत आय बुधदिन भऽहल स्थानीय तहके निर्वाचनमे एक लाख ६३ हजार ८२३ गोटे सुरक्षाकर्मीके परिचालन कएलगेलअछि ।
गृह मन्त्रालयके प्रवक्ता दीपक काफ्ले नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी, राष्ट्रिय अनुसन्धान विभाग आ म्यादी प्रहरी कऽ अय निर्वाचनमे ओय सङ्ख्यामे सुरक्षाकर्मी परिचालन भेल जानकारी देलनिअछि ।
निर्वाचन स्वतन्त्र आ भयरहित वातावरणमे सम्पन्न कऽर आवश्यक सब सुरक्षा तयारी पूरा भेलसेहो ओ बतौलनि ।
प्रदेश नं १, ५ आ ७ के ३५ जिल्लाके ३३४ स्थानीय तहमा भऽरहल निर्वाचनक लेल चारि हजार ५८१ मतदान स्थल आ आठ हजार ३६४ मतदान केन्द्र निर्धारण कएलगेलअछि । निर्वाचनमे भित्रि घेरामे नेपाल प्रहरी आ बाहिरी घेरमे सशस्त्र प्रहरी, नेपाली सेना, राष्ट्रिय अनुसन्धान विभाग तथा म्यादी प्रहरीके खटाओलगेलअछि ।
नेत्रविक्रम चन्द नेतृत्व कएने नेपाल कम्युनिस्ट पार्टी आ आन्दोलनरत राष्ट्रिय जनता पार्टीके गतिविधिके सुरक्षा निकायसभ उच्च निगरानीमे रख्नेअछि । कोनो घटना भेल तँ तत्काल सुरक्षा निकाय जाऽक व्यवस्था मिलौने प्रवक्ता काफ्ले बतौलनि ।
दोसर चरण अन्तर्गतके अय निर्वाचनमे ६२ हजार ४०८ उम्मेदवार चुनावी प्रतिस्पर्धामे अछि । निर्वाचनमे ६४ लाख ३२ हजार ७६५ मतदातासभ मतदानमे सहभागी भऽ १५ हजार ३८ प्रतिनिधिके निर्वाचित करत । मतदानमे सुरक्षाकर्मीबाहेक ६६ हजार ९०० कर्मचारी खटलअछि ।
अयसँ आगा मङ्गलदिन मन्त्रालयमे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे गृहमन्त्री जनार्दन शर्मा निर्वाचनमे नेपाली जनताके बेसी उत्साह देखलगेल आ निर्वाचनक लेल आवश्यक सुरक्षा व्यवस्था पुरा भेल जानकारी देलनि । ओ निर्धक्क भऽक अपन मताधिकारके प्रयोग कऽर सबसँ आग्रह कएलदनिअछि ।

Share.

Leave A Reply