निर्वाचनआगा संविधान संशोधन नै होबके एमाले नेता खनालक दाबी

0

श्रावण ७ गते,पूर्वप्रधानमन्त्री तथा एमाले वरिष्ठ नेता झलनाथ खनाल तीन तहके निर्वाचन पूरा नै भऽक संविधान संशोधन नै होबके दाबी कएलनिअछि । ’स्थानीय तह, प्रदेश आ संघीय निर्वाचन सम्पन्न भऽक बैसल संघीय संसद बैसार बैसलाकऽबाद मात्र संविधान कार्यान्वयन ह्यात’, नेता खनाल कहलनि, ’एमाले संशोधनके पक्षमे रहल मुद्दा अखने नै तीन तहके निर्वाचनबाद बनबला संघीय संसदसँ मात्र आवश्यक आ समस्यापरल धारा, उपधारामे संशोधन करपरत ।’ पूर्व प्रम खनाल स्थानीय, प्रदेश आ संघ तीन तहके निर्वाचन सम्पन्न करके आग्रह करति ओयकेबाद संघीय सभा बैसारसँ आवश्यक संशोधन कर्वाक बतौलनि ।
३९हम्ँ पुष्पलाल स्मृति कार्यक्रममे सहभागी होबऽ बेनी पहुँचल एमाले वरिष्ठ नेता खनाल नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी स्थापना आ पुष्पलालके चर्चा करति नेपाली कम्युनिष्ट आन्दोलन स्थापनाके पहिल दशकेसँ टुटफुटके रोगसँ ग्रसित भेल चर्चा कएलनि । ओ कम्युनिस्ट आन्दोलनमे गुटबन्दीके रोग अखनो देखलगेल बतोलनि ।
गुटबन्दी महारोग लग्लासँ ०५४ सालमे एमाले फुट्ल । एमाले पार्टीमात्र नै फुटल, नेपाली राजनीतिमे चारि प्रवृत्ति हाबी भेल कहति खनाल बुँदागतमे कहलनि, ’उग्रवामपन्थ फैलल, सुधारवादी गतिहीन पुँजीवादीके हातमा सत्ता पहुँचल, राजतन्त्र ’कु’ कर्वाक अवसर प्राप्त कएलक आ नेपाल–भारत असमान सम्बन्धमे परिवर्तन कऽर नै सक्लासँ आओर विदेशी हस्तक्षेप बढौलक ।’
स्थानीय तह निर्वाचनसँ एमालेके पहिल पार्टी बन्वाक अवसर देलासँ एमाले विगतके फुटसँ पाठ सिख्ने खनालके कहबछल । ओ प्रदेश आ संघीय सभा निर्वाचनमे लाग सेहो कार्यकर्ताके निर्देशन देलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply