निजी विद्यालयसभ बढौने शुल्क फिर्ता करके सहमति,विद्यार्थीके आन्दोलन फिर्ता,शुल्क फिर्ता नै करबला विद्यालयके दर्ता खारेजी

0

बैशाख १६गते,सरकार आ विद्यार्थी संगठनसभबीचके वार्तामे निजी विद्यालयसभ बढौने शुल्क फिर्ता कर्वाक सहमति भेलअछि । शुल्क फिर्ता नै करबला विद्यालयसभके दर्ता खारेजी कर्वाक सेहो सहमति भेलअछि ।अय सहमतिसँगे विद्यार्थी संगठनसभ आन्दोलनके कार्यक्रमसभ फिर्ता लेने नेविसंघके अध्यक्ष नैनसिंह महर जानकारी देलनिअछि ।निजी विद्यालयके शुल्क वृद्धिविरुद्ध आन्दोलनरत विद्यार्थी संगठन आ शिक्षामन्त्री धनिराम पौडेलबीच शुक्रदिन वार्ता भेलछल । निजी विद्यालयके प्रतिनिधिबिना शिक्षा मन्त्रालयमे भेल वार्तामे चारिबुँदे सहमति भेलअछि ।वार्तामे १५ दिनभितर शुल्क फिर्ता कराबके आ फिर्ता नै करबला विद्यालयके दर्ता खारेज कर्वाक सहमति भेल अखिल क्रान्तिकारीके उपाध्यक्ष रन्जित तामाङ जानकारी करौलनिअछि।मनपर्र्दी शुल्क वृद्धि कएने विरोधमे विद्यार्थी संगठनसभ काठमाडौं उपत्यकाके निजी विद्यालयसभमे तालाबन्दी कएनेअछि । ओ सभ शुक्रेदिन जिल्ला शिक्षा कार्यालय आ शिक्षा बिभागमे समेत तालाबन्दी कएनेछल ।अहिना कऽ शिक्षाके समसामयिक विषयमे अन्र्तक्रिया कऽ शिक्षा मन्त्रालयके सुझाव देब विद्यार्थी संगठनके प्रतिनिधि रहजका शिक्षा मन्त्रालयके सहसचिवके संयोजकत्वमे सम्वाद समिति गठन कर्वाक सहमति सेहो वार्तामे भेलअछि ।

Share.

Leave A Reply