नापी कार्यालय धनुषाके अमिन ३० हजार घुससहित पक्राउ

0

चैत्र–२१ गते,नापी कार्यालय धनुषाके अमिन ३० हजार रुपैयाँ घुससहित पक्राउ परलअछि । नापी कार्यालय धनुषाके अमिन कृष्ण जोशीके अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगके क्षेत्रीय कार्यालय बर्दिबास रबिदिन दुपहर ३० हजार रुपैयाँ घुस रकम सहित पक्राउ कएनेअछि ।अख्तियार कार्यालय बर्दिबासके एसपी राजकुमार लम्सालके टोलीसभ जोशीके पक्राउ कएनेअछि । अमिन जोशी एक सेवाग्राहीसँग जग्गाके कित्ताकाट आ नामसारीके लेल ३० हजार रुपैयाँ घुस लईतकाल ओकरा पक्राउ कएने एसपी लम्साल जानकारी करौलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply