नहायत कालके तस्बिर इन्टरनेटमे रख्ने कहति तीन गोटे महिला उपर मार पिट

0

आषाढ २४ गते,सिरहाके गोलबजार नगरपालिका १३ दुर्गापुर डङ्ग्राहाके तीन गोटे महिलाके पडोसीसभ मारपिट कएनेअछि ।
ओसभ नहारहल तस्बिर इन्टरनेटमे रख्ने कहति गाउँके मोहम्मद आलम मिया, जाहिर मिया आ ओकर बेटा कलिम बाँसके फट्टा आ लाठ्ठीसँ स्थानीय संजिला खातुन, मकिना खातुन आ खैरुल खातुनके मारपिट कएनेअछि ।
पिटाईसँ मकिनाके शरिरके विभिन्न भागमे बडका बडका निलडाम लागलअछि । ओकर शरिरके पछिल्लका भागके निचा पैरसँ गर्धनधरि बडका बडका निलडाम बैसलजका सार्वजनिक ठामँके मारपिट भेलअछि । खैरुलके सेहो शरिरके विभिन्न भागमे गहरा चोट लागलअछि । ओसभ दुनुगोटे गोलबजार ४ स्थित आकाश गंगा पोली क्लिनिकमे उपचार करारहलअछि ।
क्लिनिकके डा. दिपेन्द्र यादव मकिनाके शरिरके सबभागमे गम्भीर चोट लागल जानकारी करौलनिअछि । ओ कहलनि, ‘हुनकासभके शरिरके कोनो ठाम बाँकी नै अछि, गहरा चोट परजका मारपिट भेलअछि, शारिरीक रुपसँ मजबुत भेलासँ महिलासभ बाँचमे सफल भेलअछि ।’
घरेमे नहारहल बेर १२÷१५ दिन पहिने पडोसी संजिला खातुन मकिना आ खैरुल खातुनके मोवाइलसँ फोटो खिचक इमोमे रख्ने मकिना बतौलीअछि । मकिनाके अनुसार, ओसभ घरेके चापा कलमे नहारहल बेर खैरुल सेहो आबिक नहायलागलछली । ओ दुनु गोटे नहारहल ठामँमे संजिला सेहो नहएवाकलेल आएलछली । व्याह वेर संजिला मोवाइल चला रहलछली, आ तँ ओसभ नहारहल छली । ओ सभ फोटो नै खिच कहलाकऽबादो खिचक फोटो इमोमे रख्नेछली ।’
व्याह् फोटो गाउँलेसभ इन्टरनेटमे देख्लाकऽबाद संजिला आ खैरुलके २० गते भिन्सर जाहिर मिया अपने घरमे थुनिक बेटा कलिमके मारपीट कऽर लगौने स्थानीय साहिदा खातुन बतौलीअछि । व्याह् दिन साँझ छलफल कर्वाक कहति मकिनाके सेहो बजाक आलम आ जाहिर मारपीट कएने साहिदा बतौलीअछि ।
जाहिर मिया ओकरासभके साथमे रहल मोबाइल छिनक दु दिन धरि नियन्त्रणमे रख्ने साहिदा बतौलीअछि । मिया ओकरासभके मोवाईलमे रहल सम्पूर्ण नम्बर आ फोटोसभ डिलिट कऽक दु दिनबाद मोवाइल फिर्ता देने जनौलकअछि ।
मारपिटबाद घटना बाहर लगेल तँ अहुँसँ कडा सजाए देबके धम्की ओ सभ देने पीडितसभ बतौनेअछि । गाउँएमे मिलाबके कहि तीन दिनधरि गाउँमे रख्लाकऽबादो पीडितके आवाज केऊ नै सुन्ने मकिना अपन दुःख बतौली । हो कहली, ‘सबगोटे गाउँएमे मिलपरत कहलक, मुद्दा केऊ किछ सहयोग नै कएलक, ताहिसँ हम एतँ उपचार कराब आएलछि आ प्रहरीके सेहो खवर कएनेछि ।’
आलम आ जाहिरके दवावक कारण खैरुल खातुन आ संजीला खातुन उपचारक लेल समेत गाउँ बाहर जाय नै सकल बुझलगेलअछि । ओकरासभके गाउँबाहर गेल आ खवर पठौलक तँ अहुसँ बडका सजाय देबके कहति बाहर जाय नै देनेअछि । ओ सभ अखनो गाउँएमे सामान्य उपचार कराक बसिरहलअछि।
प्रहरी घटनासम्बन्धमे अपनासभके अबेरक जानकारी भेल बतौलकअछि । इलाका प्रहरी कार्यालय गोलबजार घटनाके विषयमे अपनेसभ अनुसन्धान कऽरहल बतौलकअछि ।

Share.

Leave A Reply