नवलपरासीके २ टा जिल्ला बनाब प्रधानमन्त्री सकारात्मक

0

आषाढ २४ गते,संविधानसँ दु प्रदेशमे बिभाजन कएने नवलपरासीके दुटा जिल्ला बनाब प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा सकारात्मक देखलगेलछथि । नवलपरासीमे दु चरणमे स्थानिय तहके निर्वाचन सम्पन्न भेल १० दिन बाद दुटा जिल्ला बनाब आ तत्काल दुटा जिल्ला समन्वय समितिके निर्वाचन कऽर माग करति शनिदिन भेट्करगेल नवलपरासीके सर्वदलीय प्रतिनिधि मण्डलके प्रधानमन्त्री सकारात्मक आश्वासन देलनिअछि ।
शनिदिन काठमाण्डौ पहुँचल प्रतिनिधि मण्डलसभ प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवाके हुनके निवास बालुवाटारमे भेट कएनेअछि । भेटमे प्रधानमन्त्री देउवा नवलपरासीके भौगोलिके रुपमे २ टा जिल्ला बनाब अपनेसभ तत्काल पहल करके आश्वासन देने एमाले केन्द्रीय सदस्य तिलक महत बतौलनिअछि ।
प्रधानमन्त्री तत्काल २ टा जिल्ला समन्वय समिति बनाब अपने सकारात्मक भेल आ जल्दीए क्याबिनेटसँ निर्णय कर्वाक आश्वासन देने ओ सुनौलनि ।
कांग्रेस नेता डा शशांक कोइरालाके नेतृत्वमे, कांग्रेस, एमाले आ माओवादी केन्द्रक सांसद आ जिल्लाके नेतासभ प्रधानमन्त्री देउवाके हुनके निवासमे भेट कऽ नवलपरासीके संबिधानसँ लकिर कोर्ने जऽका दुटा जिल्लाके मान्यता देबऽमाग कएनेछल।
नवलपरासीके दाउन्नेसँ पूर्व गैडाकोटधरिके क्षेत्रके प्रदेश नम्बर ४ आ दाउन्नेसँ बुटवल सिमाना धरिके क्षेत्रके प्रदेश नम्बर ५ मे बिभाजन कएनेअछि ।
प्रदेश अनुसार भेल निर्वाचन सेहो नवलपरासीमे दु चरणमे सम्पन्न भेलअछि । प्रदेश नम्बर ४ के ४ टा नगरपालिका आ ४ टा गाउपालिकाके निर्वाचन बैशाख ३१ गते भेलछल तँ प्रदेश नम्बर ५ मे रहल ३ टा नगरपालिका आ ४ टा गाउपालिकाके निर्वाचन अषाढ १४ मे सम्पन्न भेलअछि ।
दुटा प्रदेशमे बिभाजन भेलाकऽबादो मन्त्रिपरिषदसँ दुटा जिल्लाके मान्यता नै देलाक कारण एत २ टा जिल्ला समन्वय समिति बनाब नै सकलअछि । पहिल निर्वाचन सम्पन्न भेल ३५ दिनभितर जिल्ला समन्वय समिति गठन करपर्वाक निर्वाचन नियमावलीमे ब्यबस्था भेलाकऽबादो सरकार निर्णय नै कएलाकऽ कारण नवलपरासीके प्रदेश नम्बर ४ मे परबला नवलपुर क्षेत्रमे जिल्ला समन्वय समिति गठनके प्रकृया समेत शुरु होब नै सकलअछि ।
राजधानी गेल प्रतिनिधि मण्डलसभ जिल्ला बिभाजनके बिषयके लऽक जल्दी निर्णय लेबऽ आय रबिदिन भिन्सर गृहमन्त्री, संसदीयमामिला मन्त्री आ अर्थमन्त्रीके भेट कऽ समस्याक सम्बन्धमे अवगत कराबऽलागलअछि ।

Share.

Leave A Reply