नवराज सिलवालके प्रहरी प्रमुख बनाब सर्वोच्चके परमादेश

0

चैत–९गते,सर्वोच्च अदालत डीआईजी जयबहादुर चन्दके प्रहरी महानिरीक्षक (आईजीपी)मे बढुवा कर्वाक सरकारके निर्णय बदर कएनेअछि । साथे दोसर डीआईजी नवराज सिलवालके प्रहरी प्रमुख बनाब सरकारके नाममे परामादेश जारी कएनेअछि ।प्रधानन्यायाधीश सुशीला कार्की नेतृत्वक पूर्ण इजलाससँ मंगलदिन डीआईजी चन्दके आईजीपीमे बढुवा कर्वाक सरकारके निर्णय बदर भेल फैसला सुनौलकअछि ।कार्यसम्पादन मूल्यांकनमे पहिल नम्बरमे भेलसभके छाड्कि चारिम नम्बरमे रहलसभके बढुवा कर्वाक निर्णय कर्ताके स्वेच्छाचारिता प्रमाणित भेल सर्वाच्चके फैसलामे उल्लेख अछि ।सर्वोच्चके पूर्ण इजलाससँ वहालवाला प्रहरी नायव महानिरीक्षक सभमध्ये योग्यतम् आ विगत चारि आर्थिक वर्षके कार्यसम्पादन मूल्यांकनमे औषत उच्च अंक प्राप्त करबलाके तत्काल प्रहरी महानिरीक्षकमे नियुक्त कऽर सरकारके नाममे परमादेश जारी कएनेअछि ।सर्वोच्चके फैसलामे डीआईजी सिलवालेके प्रहरी प्रमुख बनाबके नै कहलगेलअछि । मुद्दा, फैसलाके पृष्ठभूमिमे पछिल्का चारि आर्थिक वर्षके कार्यसम्पादन मूल्यांकनमे कुल औषक अंक देख्लासँ नवराज सिलवाल पहिल नम्बरमे रहल उल्लेख अछि ।

 

 

Share.

Leave A Reply