नगरपालिका आ गाउँपालिकाके बोर्ड हटाक मोर्चाक कार्यकर्तासभ कएलक लाठीसहितके मोटरसाइकल र्याली प्रदर्शन

0

चैत–१० गते,संयुक्त मधेसी मोर्चाक कार्यकर्तासभ रामनगर नगरपालिकामे लगौने बोर्ड हटौलकअछि । संविधान संशोधन नै कऽ सरकार नयाँ स्थानीय तहके घोषणा कऽक निर्वाचनक तयारी कएने कहति मोर्चासभ जिल्लाके दक्षिणी क्षेत्रके नगरपालिका आ गाउँपालिकामे जऽका बोर्ड हटौनेअछि ।मोर्चाक संयोजक मुकुरजी गिरीके अनुसार जिल्लाके महेसपुरसँ मोटरसाइकल र्यालीसहित सभ स्थानीय तहमे जाऽक विरोध प्रदर्शन कएलगेलअछि । चुनाव बहिष्कार अभियान अन्तर्गत बुधदिन जिल्लामे लाठीसहितके मोटरसाइकल र्याली निकाल्ने छल । मोर्चासभ सीमावर्ती क्षेत्र महेसपुरसँ करिब एक हजार मोटरसाइकलके संख्यामे निकाल्ने र्याली बेलासपुर, उजैनी, मन्झरिया होईत सदरमुकाम परासीके जिल्ला प्रशासन कार्यालय अगाडि विरोध प्रदर्शन कएनेछल ।

Share.

Leave A Reply