नगरपालिकाके गाउँपालिका बनौने विरोधमे सिरहाके सुखीपुरमे धर्ना

0

चैत–९गते,सिरहाके सुखीपुर नगरपालिकाके गाउँपालिकामे रुपान्तरित कएने कहति स्थानीयवासीसभ सुखीपुर नगरपालिका कार्यालय अगाडि मङ्लदिनसँ अनिश्चितकालीन धर्नामे बैसलअछि ।ओ सभ सुखीपुरस्थित सरकारी तथा वित्तीय संस्थानमे अनिश्चितकालीन तालाबन्दी समेत कएनेअछि । सुखीपुरस्थित राष्ट्रिय बाणिज्य बैंक, कृषि विकास बैंक, नापी शाखा, नेपाल ग्रामीण विकास बैंक, कृषि सेवा केन्द्र, स्वाम्लमबन विकास बैंक, श्रृजना लघुवित्त, श्रमजीवी लघुवित आ इलाका हुलाक कार्यालय लगायतके कार्यालयसभमे तालाबन्दी कएने सुखीपुर नगरपालिका सङ्घर्ष समितिके संयोजक रामअशिष महतो जानकारी देलनि ।गत २०७२ असोज १ गते सिरहाके सातटा गाविसके समायोजन कऽ नगरपालिका कायम कएने सुखीपुर नगरपालिकाके सरकार स्थानीय निकाय पुनसंरचना कर्वाक क्रममे गत २०७३ फागुन २७ गते राजपत्रमे प्रकाशित कएने मन्त्रिपरिषद्के निर्णय अनुसार सुखीपुर नगरपालिकाके गाउँपालिकामे परिणत कएनेअछि । सरकारके उक्त निर्णयके बिरोधमे स्थानियसभ आन्दोलित भेलअछि ।

Share.

Leave A Reply