नक्कली नोट छापबला एक गोटे पक्राउ

0

जेठ २६ गते,गैरसरकारी संस्था स्थापना कऽ कार्यालय सञ्चालनके नाममे नक्कली नोट छापबला एक युवकके प्रहरी पक्राउ कऽ बृहस्पतिदिन सार्वजनिक कएलकअछि । प्रहरी पक्राउ कएने ओय युवकसँ नक्कली नोट तयार कऽर प्रयोग होबबला सामान समेत बरामद कएलकअछि ।
बुटवल उपमहानगरपालिका ११ स्थित नवदीप पथमे अपाङ्ग तथा असहायके सहयोग कर्वाक उद्देश्यसहित स्थापना कएने अर्फन हेल्पिङ हेन्ड (असहायके लेल सहयोगी हातसभ) नामक गैरसरकारी संस्थाके कार्यालयसँ रुपन्देही जिल्ला कञ्चल गाउँपालिका ६ के २१ वर्षीय सन्तोष मल्ल नक्कली नोट तयार करति आएल प्रहरी जनौलकअछि ।
प्रहरी अभियुक्त मल्लके साथसँ नक्कली नोट तयार कऽर प्रयोग होबबला फ्रि इन्क प्रिन्टर मेसिन, ल्यापटप आ नक्कली नोट लगायतके सामानसमेत बरामद कएने इप्रका, बुटवलके प्रहरी नायब उपरीक्षक मुकुन्द मरासिनी बतौलनिअछि । प्रहरी नक्कली नोट तयार कऽर प्रयोग होबबला सामान ओकर कार्यालय तथा निवाससँ बरामद कएनेअछि ।
ओ मल्लके कार्यालय आ निवाससँ नेपाली रु एक हजार दरके १०० टा नोट, रु ५०० दरके १०० आ ओ सञ्चालन कएने कार्यालयसँ एक हजार २५९ टा आ रु १०० दरके पाँच टा नोट ल्यापटप, अर्फन हेल्पिङ हेन्ड नामक ब्यानर, अर्फन हेल्पिङ हेन्ड नामक रसिद, रबर छाप आ पैसा छाप प्रयोगमे लओने कागज समेत बरामद भेल बतौलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply