धनुषा हाँसपटटीस्थित मुसहरी टोलाके सडकमे दिसापिसाव सँ रोकके लेल फुल आ तुलसी रोपलगेल

0

दिपेन्द्र प्रसाद सिंह । जनकपुरधाम
धनुषा जिल्लाके साविक फुलगामा गाविसके वाडा नं. ८ मे परवाला हाँसपटटी मुसहरी टोलक बासिन्दासभ गन्दे गन्दा रहल सडक पेटीमे फुल आ तुलसी लगौने अछि । नगराइनचौक सँ पश्चिम मटिहानी जाएवाला सडकखण्डामे परवाला हाँसपटटी वाडा नं.८ मे रहल ४५ घरपरिवार मुहसर समुदायके वासिन्दासभ सडकके दुनु कातमे फुल आ तुलसी लगौलाक बाद ओ सडक भँ आवत जावत कर वालासभ सेहो रुकि कँ सेल्फी लँ रहल अछि ।
ओ मुसहर वस्तीमे बसोवास कएनिहार ४५ घरपरिवारक सदस्यसभ प्रति घर १० रुपैयाके दर सँ सँ पैसा गठवैइत सडकके कातमे फुल आ तुलसीके गाछ लगा कँ सफा सुगघर करैत आवि रहल अछि ।
किछ समय पहिने गन्दे गन्दा रहल ओ सडक भँ कँ आवत जावत कएनिहार बटुवासभ सेहो नाक बन्द कँ जाएके बाध्यता रहल छलैक तँ अखन ओही सडकखण्डमे जाएवाला यात्रुसभ सेहो रुकि कँ फोटो खिचावि रहल मुसहरवस्तीके ६५ वर्षक जहरा सदाके कथन रहल अछि । अखन कारिपत्रे काएलगेल ओ सडक खण्डके दुनु कातमे करिब १ किलोमिटरके दुरीमे ओसभ दिसा पिसाव नहि करैक ताहिके लेल फुल आ तुलसीके गाछ रोप्ने ६० वर्षक भोगी सदा बतौलनि अछि ।
सादाके अनुसार पहिने साँझ आ भिन्सर ओ सडकके कातमे दिसापिसाव कर आएवालासभ अखनधरि साँझ आ भिन्सर घरमे पुजापाठमे लेल फुल आ तुलसी तोरके लेल आवि रहल बतौलनि अछि । भोगी सादाके अनुसार करिब १ वर्ष पहिने रोप्ने फुल आ तुलसीके कारणे अखन ओ सडक खण्डमे दिसा पिसाव करवालाके संख्या पुरा घटल आ अखनधरिमे लाखौ गोटे एतह आवि कँ फोटो खिचा कँ गेला सँ अपनासभके खुशि लागि रहल बतौलनि अछि ।

Share.

Leave A Reply