धनुषामे विना दर्ता अवैध निजी विद्यालय बन्द करैवाक अभियान सुरु

0

अषाढ २६ गते,धनुषामे रबिदिनसँ सुरु कएने अवैध रुपमे विना दर्तामे संचालनमे रहल निजी विद्यालयसभके अनुगमन कऽ बन्द करैवाक अभियान जारी रहलअछि ।
जनकपुरसँ सुरु कएने अभियान सोमदिनधरि ८ टा विद्यालयके अनुगमन करति तत्काले किछ विद्यालयके बन्द कर्वाक निर्देशन सहितके पत्र कट्लकअछि ।
धनुषाके उप जिल्ला शिक्षा अधिकारी मेहीलाल यादवके संयोजकत्वमे गठित ७ सदस्यीय टोलीसभ रबिदिन ३ टा विद्यालय आ सोमदिन ५ टा विद्यालयमे अनुगमन करति जनकपुरके माछ बजारस्थित ज्ञान पाठशाला बोर्डिङ्ग स्कुल विना दर्ता कक्षा ५ धरि संचालन करति विना भौतिक पूर्वाधारके होस्टेल समेत संचालन कएलासँ तत्काले स्कुल बन्द कर्वाक निर्देशन सहितके पत्र कट्नेअछि ।

Share.

Leave A Reply